लहरि रूम : भारत T20WC -2024 केँ सेमीफाइनल मे इंग्लैंड केँ 68 रन सँ परास्त करैत फाइनल मे स्थान बनेलक। गयाना मे खेलल गेल मैच मे पहिल बल्लेबाजीकरैत टीम इंडिया 20 ओवर मे 7 विकेट पर 171 रन बनेलक । जवाब मे इंग्लैंड टीम 16.4 ओवर में 103 रन बना क’ सेमीफाइनल सँ बहार भ’ गेल । आब भारत केर मुकाबला दक्षिण अफ्रीका सँ 29 जून क’ बारबाडोस मे होयत । भारतीय टीम तेसर बेर टी-20 विश्व कप के फाइनल मे पहुंचल अछि।
एहि केँ संग कुल मिला क’ तेसर बेर भारत T20WC मैच खेलतै । एहि सँ पहिने टीम इंडिया 2007 आओर 2014 मे फाइनल खेलने छल। पिछला दुनू बेर मे महेन्द्र सिंह धोनी कप्तान छलाह । एहि बेर भारत रोहित शर्मा के कप्तानी मे 10 साल बाद फाइनल मे पहुंच गेल अछि। भारतीय टीम लगातार दोसर आईसीसी टूर्नामेंट केँ एक साल के भीतर फाइनल मे पहुँचल अछि। एहि सँ पहिने टीम इंडिया 2023 केँ वनडे विश्व कप मे सेहो फाइनल मे पहुंचल छल।
Trending Now

अंग्रेज सँ लगान लs भारत पहुँचल T20WC -2024 केँ फाइनल मे : 29 JUNE BHARAT Vs SOUTH AFRICA
-