spot_img
Saturday, November 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिअंतरिम प्रधानमंत्री सुशीला कार्की के नाम नेपाल मे आम सहमति - कार्की...

अंतरिम प्रधानमंत्री सुशीला कार्की के नाम नेपाल मे आम सहमति – कार्की कयलनि प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी के तारीफ !

-

लहरि रूम (रांची) : एखन नेपाल सेनाक नियंत्रण मे अछि। मुदा जानकारी प्राप्त भेल अछि जे नेपालक मे सेना शासन नहि भ’ सकैत अछि। नेपालक संविधान मे एहन कोनो प्रावधान नहि अछि । एम्हर नेपाल सँ एकटा रोचक खबरि तखन आयल जखन सड़क पर घुमैत हजारों नेपाली युवा कहलनि जे हमरा लोकनि केँ सेहो अपन देश मे मोदी जेका प्रधानमंत्री चाही। पीएम मोदी भारत मे जाहि तरहक विकास क’ रहल छथि, नेपाल मे सेहो एहने विकासक जरूरत अछि। किछु दिन पहिने अहि तरहक वक्तव्य पाकिस्तान सँ सेहो आयल छल।

नेपाल मे विद्रोह उपरांत ओली के वामपंथी सरकार के उखाड़य वाला युवा सब सेना प्रमुख सँ भेंट क’ अंतरिम प्रधानमंत्री के लेल एकटा महिला के नाम सुझाव देलनि अछि। जिनकर भारत सँ बहुत निक संबंध छनि । नेपालक युवा हुनका अपन अंतरिम प्रधानमन्त्री बनाबय चाहैत छथि । नेपाल के युवा सब जहिना सुशीला कार्की के नाम फाइनल केलनि अछि। ओकर तुरंत बाद सुशीला कार्की भारत आ पीएम मोदी के बारे में एकटा पैघ घोषणा केलनि। कार्की भारत आओर नेपाल केर संबंध के बारे मे सकारात्मक पक्ष रखलनि अछि । एकटा न्यूज चैनल सँ साक्षात्कार मे बजैत ओ प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी कें शुभकामना देलथि आ हुनक कार्यशैली के प्रशंसा वकयलनि ।

सुशीला कार्की केर भारत सँ सबंध हुनक युवावस्था सँ प्रारम्भ होइत छनि । नेपालक पहिल महिला मुख्य न्यायाधीश बनबासँ बहुत पहिने कार्की अपन जीवनक किछु महत्वपूर्ण वर्ष सीमा पारक अध्ययनमे बितेलनि । ओ स्वयं कहलनि जे हम भारतक सीमा लग विराटनगरक नागरिक छी । ओ कहली जे (भारत) शायद हमर घर सँ मात्र 25 मील दूर अछि। विराटनगर केर महेन्द्र मोरंग कॉलेज सँ स्नातक करला कें बाद भारत के प्रतिष्ठित बनारस हिन्दू विश्वविद्यालय (बीएचयू) सँ राजनीति विज्ञान मे स्नातकोत्तर के डिग्री प्राप्त कयलनि अछि । अपन साक्षात्कार मे ओ कहली जे हमरा एखनो अपन शिक्षक आ दोस्त याद अछि, गंडक नदी एखनो मोन अछि, गंडक के कात मे एकटा हॉस्टल छल। आ गर्मी क राति मे हम सब छत पर सुतैत छलहुं।

कार्की आगू कहलनि जे ओ हमेशा सँ भारतीय नेता सब सँ ‘बहुत प्रभावित’ रहल छथि आओर ओकरा पड़ोसी सँ बेसी परिवार बेसी बुझैत छथि । ओ कहलनि जे हम सब हुनका अपन भाई-बहिन मानैत छी। भारत सँ हुनकर उम्मीद क बारे मे पूछला पर ओ बेबाक तरीका सँ बजलीह। दुनू देशक बीच बीच-बीच मे होबय बला झगड़ा दिस इशारा करैत ओ कहलीह जे भारत नेपाल केँ सदिखन मदद केलक अछि। हम सब भारत के निकट सबंधी छी , बस ऐके भनसा घरक बरतन छी, जं एक ठाम रहब तखन कनि टन -टुन हेबे करतै।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts