spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिअंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद क' रांची ईकाई केँ द्वारा स्वैच्छिक रक्तदान शिविर केँ...

अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद क’ रांची ईकाई केँ द्वारा स्वैच्छिक रक्तदान शिविर केँ भेल आयोजन..

-

लहरि रूम(रांची) : मैथिली दिवस क’ आगमन सँ पूर्व अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद, झारखंड प्रदेश क’ रांची इकाई कें तत्वावधान मे समाज कल्याणार्थ स्वैछिक रक्तदान शिविर केर आयोजन कयल गेल | एहि अवसर पर परिषदक सदस्य आ मिथिला समाजक लोक द्वारा रक्तदान कयल गेल । अहि अवसर पर विश्वम्भर फाउंडेशन क’ सचिव सह परिषद क’ सँरक्षक नवीन कुमार झा, राँची जिला के अध्यक्ष वीरेन्द्र कुमार झा, महासचिव राजीव झा, संगठन सचिव आनंद झा – नंदू जी, सुनील कुमार झा, गगन मिश्र, आद्य चरण झा, किशोर झा, रक्तवीर आ परिषद सदस्य मृत्युंजय झा संग अनेको मैथिल लोकनि द्वारा रक्तदान कयल गेल | एहि अवसर पर परिषदक संरक्षक विनोदानंद झा, सुशील कुमार झा आ झारखंड प्रदेश अध्यक्ष अमरनाथ झा संग मिथिला समाज केँ मोहन झा ‘वैदिक’ जी उपस्थित छलाह । रक्तदान शिविर मे नागरमल मोदी सेवा सदन केँ ब्लड बैंक अपन तकनीकी सहयोगी क’ संग सहयोग केलक। नगरमल मोदी सेवा सदन केँ तरफ सँ रक्तदाता केँ प्रमाण पत्र आ प्रतीक चिन्ह द’ क’ सम्मानित कयल गेल।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts