spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिअजय भारत केँ विजयी अभियान बरकरार :अगला मुकाबला ऑस्ट्रेलिया सं

अजय भारत केँ विजयी अभियान बरकरार :अगला मुकाबला ऑस्ट्रेलिया सं

-

T20 WC मे भारत शनिदिन बंगलादेश केँ विरुद्ध 50 रन सँ विजयी भेलाक बाद सेमीफाइनल मे अपन स्थान बनबैक उम्मीद आओर मजबूत केलक अछि । एहि सँ पूर्व भारतीय क्रिकेट टीम सुपर-8 मे अफगानिस्तान केँ विरुद्ध 47 रन सँ विजयी भ’ क’ अपन विजय रथ केँ प्रारम्भ केने छल। पहिने बल्लेबाजी करैत भारतीय क्रिकेट टीम द्वारा बंगलादेश केँ विरुद्ध 20 ओवर मे पांच विकेट पर 196 बनाओल गेल । एकर जवाब मे बांग्लादेश 20 ओवर में आठ विकेट पर मात्र 146 रन बना सकल ।

भारत केँ अगला मुकाबला टीम आट्रेलिया सँ
सर विवियन रिचर्ड्स स्टेडियम मे खेलल गेल एहि मैच मे जीत केँ संग भारतीय क्रिकेट टीम ग्रुप-1 केँ अंक तालिका मे प्रथम स्थान पर पहुँच गेल अछि । दू मैच मे लगातार दू जीतक संग खाता मे चारि अंक छैक । एहि केँ अलावा नेट रन रेट +2.425 अछि । सोम दिन भारत केँ अगला मुकाबला टीम ऑस्ट्रेलिया सँ होयत। अगर भारत एहि मैच मे जीत हासिल करत त ओ सेमीफाइनल मे पहुंचत। अंक तालिका मे ऑस्ट्रेलिया दोसर स्थान पर अछि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts