लहरि रूम (रांची) : झारखंड सरकार राज्य मे अत्यधिक गर्मी के देखैत वृहस्पति 24 अप्रैल क’ स्कूल के समय मे बदलावक घोषणा केलक अछि। अहि बदलाव के आधार पर नर्सरी सँ कक्षा आठ तक के छात्रक लेल स्कूलक समय प्रातः 7 बजे सँ 11:30 बजे तक होयत। जखन कि सीनियर छात्रक लेल कक्षा दुपहर तक चलत। स्कूल के लेल नवका समय सारणी 26 अप्रैल सँ अग्रिम सूचना तक प्रभावी होयत।
