spot_img
Thursday, March 19, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिअत्यधिक बरखा केँ कारण सँ वार रूम भेल तैयार , मधुबनी-सुपौल सहित...

अत्यधिक बरखा केँ कारण सँ वार रूम भेल तैयार , मधुबनी-सुपौल सहित अनेकों जिला मे बाइढ़ केँ ल’ क’ अलर्ट

-

मधुबनी (मिथिला – बिहार ) : नेपाल मे भेल भारी बरखाक असरि मिथिला (बिहार) पर सेहो पड़ल अछि। गंडक आ कोसी नदी खतराक निशान सँ ऊपर बहि रहल अछि, जाहि सँ उत्तर बिहार केँ अनेकों जिला मे बाढ़ि आबि गेल अछि आ किछु जगह अयबाक संभावना बनल अछि । पिछला 24 घंटा मे दुनू नदी सँ जलक निर्वहन पांच गुना बढ़ल अछि। आपदा प्रबंधन विभाग 20 जिला मे बाइढ़ केँ अलर्ट जारी केलक अछि आ मौसम विभाग केँ तरफ सँ आठ जिला मे भारी बरखा केँ अनुमान अछि।

कतेको जिला मे बाढ़ि सन स्थिति

दरअसल बिहार मे लगातार भेल बरखा सँ राज्य क’ अनेकों हिस्सा मे बाढ़ि जेकां स्थिति उत्त्पन्न भ’ गेल अछि। नेपालमे सेहो भारी वर्षा भऽ रहल अछि, जकर कारण गण्डक आ कोसी नदीमे जलस्तर बढल अछि । पिछला 24 घंटा मे गंडक आ कोसी केँ जलक निर्वहन (डिस्चार्ज) पांच गुना बढ़ल अछि। जकर कारण कतेको जिला मे बाढ़ि आबि चुकल अछि। एकर कारण आपदा प्रबंधन विभाग 20 जिला मे बाइढ़ केँ ल’ क’ अलर्ट जारी क’ देलक अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts