spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिअद्भुत दृश्य केँ प्रस्तुति करैत कैल गेल ध्वजारोहण : टाटा जयनगर केँ...

अद्भुत दृश्य केँ प्रस्तुति करैत कैल गेल ध्वजारोहण : टाटा जयनगर केँ आई सँ परिचालन पर जमशेदपुर मे अछि हर्ष

-

जमशेदपुर (झारखण्ड ) : मिथिला सांस्कृतिक परिषद, जमशेदपुर केँ विद्यापति परिसर,गोलमुरी मे संस्था केँ अध्यक्ष मोहन ठाकुर आ महासचिव धर्मेश कुमार झा ‘लड्ड’ द्वारा संयुक्त रूप सँ स्वतंत्रता दिवस केँ दिन ध्वजारोहण कयल गेल । ओना त’ सब मैथिल आओर गैर मैथिल संस्था अपन अपन परिसर मे ध्वजारोहण कयलनि अछि मुदा मिथिला सांस्कृतिक परिषद, जमशेदपुर अपन संस्कृति केँ रक्षार्थ अलग अंदाज मे ध्वजारोहण कयलनि। ध्वजारोहण करबाक काल मे संस्था केँ सब सदस्य लोकनिक माथ पर मिथिलाक संस्कृतिक सम्मान ‘पाग’ छलनि आओर अधिकतर लोक पारम्परिक परिधान मे उपस्थित छला। ‘पाग’ धारण भेला केँ कारण सँ परिसर केसरिया भ’ गेल छल। उपस्थित गणमाण्य लोकनिक द्वारा उद्बोधन भेल। शुक्र दिन सँ प्रारम्भ भ’ रहल टाटानगर सँ जयनगर ट्रेन पर सब कियो खुशी व्यक्त केलथि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts