तेज प्रताप पहिले सँ छथि बाहर आब पिता के किडनी दानी बेटी तोड़लनि परिवार सँ सबंध..
लहरि रूम (पटना) : लालू प्रसाद यादव के एक समय मे हुनका जरूरत परला पर किडनी डोनेट करय वाली बेटी रोहिणी आचार्य सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म X पर पोस्ट क’ राजनीतिक खेमा मे हलचल मचा देलनि अछि। ओ बेबाक घोषणा केलनि जे ओ राजनीति छोड़ि अपन परिवार सं संबंध तोड़ि रहल छथि। ओ लिखलनि अछि जे, “मैं राजनीति छोड़ रही हूं और अपने परिवार से नाता तोड़ रही हूं। संजय यादव और रमीज ने मुझसे यही करने को कहा था और मैं सारा दोष अपने ऊपर ले रही हूं।”
बढ़ल आंतरिक दबाब जे पराजय के जिम्मेदारी केकर ?
जय पराजय राजनीति होइत छैक। अखन तेजस्वी यादव के हुनक परिवार के सहयोग के अत्यंत आवश्यकता छनि। हुनक मनोबल बढ़ेबाक हेतु। मुदा ,रोहिणी आचार्य अपन पोस्ट मे राज्यसभा सांसद संजय यादव आ रमीज केँ नाम लैत ओ लिखने छथि जे ओ सबटा दोष ल’ रहल छथि। हुनक बयान सँ साफ संकेत बुझना जाइत अछि जे चुनावी पराजय उपरांत पार्टी के भीतर आंतरिक दबाव आ जिम्मेदारी के बंटवारा के माहौल बनि गेल अछि । रोहणी आचार्य के द्वारा उठाओल गेल इ डेग सँ राजद के भीतर नेतृत्व आ पराजय के बाद के रणनीति के ल’ क’ कोनो पैघ घमर्थन आ टकराव भ’ रहल अछि। जेकर परिणामस्वरूप अब॑ पारिवारिक सम्बन्ध मे सेहो दरार उत्पन्न भ’ जेल अछि । सम्भवतः ई वैह संजय यादव छथि जिनका तेज प्रताप यादव प्रायः बिना नाम लेने “जयचंद” कहैत छथि | राज्यसभा सांसद संजय यादव तेजस्वी के घनिष्ठ मित्र आ सहयोगी मे सूचि मे सम्मलित छथि।

