नई दिल्ली : आबकारी नीति ‘घोटाला’ सँ जुड़ल मनी लांड्रिंग मामला मे दिल्ली केँ मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवाल केँ सुप्रीम कोर्ट सँ अंतरिम जमानत भेटल अछि। मुदा केजरीवाल एखन जेल सँ बाहर नहि आबि सकैत छथि। फिलहाल ओ सीबीआई हिरासत मे छथि मुदा ईडी मामला मे जमानत भेट गेल छनि । एहन स्थिति मे फिलहाल जेल मे रहता ।

