नई दिल्ली : दिल्ली मे लोकसभा चुनाव सँ पहिने कांग्रेस केँ बड़का झटका लागल अछि। पार्टी केँ पूर्व अध्यक्ष अरविंद सिंह लवली सहित कांग्रेस केँ पांच नेता कांग्रेस छोड़ि भाजपा मे शामिल भ’ गेलथि। लवली केँ अलावा राजकुमार चौहान, नीरज बसोया, अमित मलिक आओर नसीब सिंह सेहो भाजपा मे सम्मलित भ’ गेलाह। सबके दिल्ली प्रदेश प्रमुख वीरेन्द्र सचदेव आजुक दिन 4 मई क’ भाजपा मुख्यालय मे पार्टी मे सम्मलित करौलनि। बता दी जे खुद 28 अप्रैल क’ लवली कांग्रेस अध्यक्ष पद सँ इस्तीफा द’ देने छलाह आओर कहने छला जे कांग्रेस केँ अध्यक्ष पद सँ इस्तीफा देलहुँ अछि पार्टी सँ नहि।

