खूंटी (झारखण्ड ) : झारखंड केँ खूंटी लोकसभा सीट सँ नामांकन दाखिल करय लेल मंगलदिन केंद्रीय मंत्री आ भाजपा प्रत्याशी अर्जुन मुंडा कलेक्ट्रेट पहुंचलाह. अपन समर्थक संग उपायुक्त कार्यालय मे जा क’ अपन नामांकन दाखिल केलथि। एहि सँ पहिने सपत्नी कर्रा आ अंगराबारीक सोनमेर मंदिर मे पुजा -अर्चना कयलनि । नामांकन दाखिल केलाक बाद ओ रोड शो केलनि। एहि मे बाबूलाल मरांडी सहित NDA अनेकों बड़का नेता शामिल छलाह। एहि बेर अर्जुन मुंडा केँ प्रस्तवाक बाबू लाल मरांडी , पूर्व सांसद करिया मुंडा आओर आजसू पार्टी केँ प्रमुख सुदेश महतो जी छला।
एहि सीट I-N-D-I गठबंधन केँ तरफ सँ कांग्रेस केँ उम्मीदवार कालीचरण मुंडा सेहो अपन नामांकन आई 23 अप्रैल 2024 क’ कयलनि। एहि सीट पर चुनाव 13 मई कए होए वाला अछि।
Trending Now
अर्जुन मुंडा NDA केँ दिग्गज नेता केँ प्रस्तावक बना चुनावी नामांकन कयलनि
-

