spot_img
Friday, November 21, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिअलीनगर पर सस्पेंस बरक़रार - राजनगर सँ सुजीत पासवान आ बेनीपट्टी सँ...

अलीनगर पर सस्पेंस बरक़रार – राजनगर सँ सुजीत पासवान आ बेनीपट्टी सँ पुनः बिनोद नारायण झा कें भेटलनि भाजपा कें चुनावी लाटरी !

-

लहरि रूम (पटना) : 2025 के बिहार विधानसभा चुनाव के लेल राजनीतिक लड़ाई तेज भ’ गेल अछि। भारतीय जनता पार्टी अपन बहुप्रतीक्षित पहिल उम्मीदवारक सूची जारी केलक अछि, जाहि मे कुल 71 उम्मीदवारक नाम सम्मलित अछि। पार्टी अनुभवी आ प्रमुख उम्मीदवार पर विश्वास व्यक्त केलक अछि, हुनका एहि सूची मे उतारलक अछि…..

महत्वपूर्ण बात ई अछि जे मधुबनी जिला के राजनगर विधानसभा क्षेत्र संख्या 37 सँ नव प्रत्याशी सुजीत पासवान के टिकट भेटल अछि। बेनीपट्टी सँ पुनः बिनोद नारायण झा के प्रति विश्वास जतौलक अछि। दरभंगा के गौरा- बौराम विधानसभा क्षेत्र सँ भाजपा वर्तमान विधायक सवर्णा सिंह के पति सुजीत कुमार सिंह के प्रत्याशी बनौलक अछि। भाजपा अपन किछु पूर्व मंत्री के टिकट नहि देलक अछि, संगहि पिछला चुनाव सँ कईटा जीतल उम्मीदवार के सेहो दोहराबै के मौका नहि देलक अछि।

दरभंगा अलीनगर विधानसभा क्षेत्र पर अखनो सस्पेंस बरक़रार अछि। प्रथम सूचि मे अलीनगर विधानसभा क्षेत्र के भविष्यक फैसला नहि भेल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts