नई दिल्ली : आई प्रधानमंत्री मोदी राज्यसभा मे राष्ट्रपति क’ संबोधन पर भाषण द’ रहल छलाह। एहि भाषणक संबंध मे विपक्ष मोदी पर आरोप लगौने अछि जे ओ अपन भाषण मे बहुत रास गलत तथ्य रखलथि।
विपक्ष के आरोप छेल जे प्रधानमंत्री सदन मे गलत तथ्य पेश करी रहल छला , लेकिन विपक्ष केँ सच्चाई पेश करैक मौका नै देल गेल ।
कांग्रेस नेता प्रमोद तिवारी कहलनि जे, “ई सदन केँ मान्य परंपरा अछि। सदन मे विपक्ष केँ नेता बेर-बेर किताब आ आंकड़ा केँ मदद सँ सही तथ्य केँ सामने लाबय केँ कोशिश केलनि। प्रधानमंत्री गलत तथ्य पेश करैत रहलाह मुदा नेता विपक्ष केँ मौका नहि भेटलनि ।” आ सच्चाई केँ सामने नहि आबय देल गेल।”
एकर बाद विपक्षी नेता खड़गे केँ नेतृत्व मे पूरा विपक्ष सदन सँ बाहर निकैल गेल ।
मोदी अपन भाषण मे कांग्रेस पर अम्बेडकर केँ संग भेदभाव करबाक आरोप लगबैत दावा केलथि जे कांग्रेस पार्टी प्रारम्भ सँ आरक्षण विरोधी रहल अछि।