बिहार (जमुई) :देश केँ प्रधानमंत्री आ एनडीए खेमा केँ स्टार अभियानी नरेंद्र मोदी बिहार मे चुनाव प्रचार शुरू क’ देलनि। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आजुक दिन 4 जून क’ जमुई सँ बिहारक चुनावी शंखनाद क’ अपन विरोधी पर चुनिंदा निशाना लगौलनि । एकर संग-संग ओ मोदी सरकारक काज सेहो गिनैत कहला जे केंद्र सरकारक प्रयास सँ बिहार मे गरीब क’ 37 लाख स्थायी मकान भेटल अछि। 9 करोड़ जरूरतमंद लोक केँ मुफ्त राशन भेंट रहल अछि। मोदी जी केँ गारंटी अछि जे अगिला 5 साल तक मुफ्त राशन जारी रहत। लाख सँ बेसी दर्शक पीएम मोदी केँ सुनबाक आ देखबाक लेल उपस्थित भेल छला।
देश केँ प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सब सँ पहिने गिधौर माँ दुर्गा केँ वंदन कयलनि । ओ जनता सँ पूछलथि जे इ चुनावी बैसार अछि आकि जीत क’ बैसार। एकर बाद भीड़ एक सुर मे बाजल – ई विजयी बैसार अछि । पीएम मोदी गर्जैत बजलाह, बिहार मे 40 मे सँ 40 सीट देबाक लेल आशीर्वाद दिअ। पूरा बिहार कहि रहल अछि जे एक बेर फेर… जनता केँ बीच सं आवाज आबि गेल… मोदी सरकार. अहाँ लोकनि सदिखन स्नेह दैत रहलहुँ अछि। हम सब एहि मंच पर किछु कमी महसूस क’ रहल छी। हमरा सब लेल ई पहिल एहन चुनाव अछि, जखन बिहारक बेटा आ हमर सबसँ नीक मित्र रामविलास पासवान जी हमरा सबहक बीच नहि छथि। हमरा संतोष अछि जे हमर छोट भाई चिराग पासवान रामविलास जी के विचार के पूर्ण गंभीरता स आगू बढ़ा रहल छथि।
Trending Now
