
लहरि रूम (नई दिल्ली ) : मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे , नेशनल कॉन्फ्रेंस केँ अध्यक्ष फारूक अब्दुल्ला अपन वक्तव्य मे कहलनि जे जम्मू-कश्मीर मे हाल मे आतंकी हमला केँ जांच हेबाक चाही कारण कतौ ने कतौ सरकार केँ अस्थिर करै केँ प्रयास त’ नहि कयल जा रहल अछि । ओ कहलनि जे, आतंकी केँ पकरबाक चाही, मारल नहि जेबाक चाही आ पूछताछ करबाक चाही आओर एहि बात केँ तह तक पहुंचय लेल प्रयास करबाक चाही जे हमला रूपी घटना केँ पाछु केँ अछि। अब्दुल्ला केँ ई टिप्पणी एकटा प्रश्न केँ जवाब मे छल।
प्रश्न : कि की जम्मू-कश्मीर बडगाम आतंकी हमला संग अन्य आतंकी हमला लेल पाकिस्तान केँ उत्तरदायी ठहरेबाक चाही ?

फारूक अब्दुल्ला प्रश्न कयलनि जे की आतंकी हमला मे बढ़ोत्तरी केँ उद्देश्य “जम्मू-कश्मीर सरकार केँ अस्थिर करनाई ” अछि ? एहि प्रश्न सँ लागि रहल अछि जे नेशनल कॉन्फ्रेंस केँ अध्यक्ष फारूक अब्दुल्ला अप्रत्यक्ष रूप सँ भारतीय जनता पार्टी केँ उत्तरदायी बता रहला अछि।
फारूक अब्दुल्ला केँ एहि तरहक प्रश्नवादी बयान पर भाजपा हमलावर बनि गेल अछि। भाजपा प्रवक्ता शहजाद पूनावाला कहलनि जे, ई बहुत दुर्भाग्यपूर्ण अछि जे एहन संवेदनशील मुद्दा पर किछु लोक देश केँ प्राथमिकता देबाक बदला राजनीति, परिवार आ वोट बैंक केँ प्राथमिकता द’ रहल छथि। ओ कहलनि कि फारूक अब्दुल्ला अपन दायित्व सँ बचैत आतंकवाद केँ प्रायोजक देश केँ बचाबै लेल भारतीय सेना आओर भारतीय एजेंसी केँ दोषी ठहरेबाक अनुकूल प्रयास क’ रहला अछि।

जम्मू-कश्मीर भाजपा अध्यक्ष रविन्दर रैना कहलनि जे सेना, पुलिस आ सुरक्षा बल केँ हमर पूरा सहयोग हेबाक चाही। ओ कहलनि कि फारूक अब्दुल्ला केँ संग सम्पूर्ण विश्व केँ पता अछि जें भारत मे आतंकी आओर आतंकवाद पाकिस्तान सँ प्रायोजित होईत अछि , ई एकटा सर्वविदित तथ्य अछि। एहि मे जांचक की फायदा? हुनका । हमरा सब केँ अपन सेना, पुलिस आ सुरक्षा बल केँ संग देबाक चाही। हमरा सब केँ एकजुट भ’ क’ ओहि लोक केँ खिलाफ लड़य पड़त जे मानवता केँ दुश्मन अछि।