नई दिल्ली : दिल्ली मे आम आदमी पार्टी के विधायक आओर नई दिल्ली लोकसभा सीट सँ उम्मीदवार सोमनाथ भारती एग्जिट पोल जारी केँ बाद कहलखिन्ह जे अगर नरेंद्र मोदी तेसर बेर भारत केँ प्रधानमंत्री बनताह त ओ अपन माथ मुंडन करताह। सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म एक्स पर पोस्ट करैत भारती कहलनि जे, हमर बात लिखू। भारती कहला जे 4 जून कए सबटा एग्जिट पोल गलत साबित भ जाएत आ मोदी जी तेसर बेर देश क प्रधानमंत्री नहि बनताह।”भारती केँ दावा अछि जे दिल्ली केँ सभ सात सीट पर इंडिया एलायंस जीतत। भारती ई सेहो दावा क’ रहला अछि जे कि प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केँ भय केँ कारण सँ हुनका एग्जिट पोल मे हुनक पराजय नहि देखाओल गेल अछि ।भारती कहलनि जे, ताहि लेल हमरा सब केँ 4 जून क’ वास्तविक परिणाम केँ प्रतीक्षा करबाक चाही।
शनिदिन सातम चरणक मतदान समाप्त भेलाक बाद जारी अधिकांश एग्जिट पोल मे भाजपा गठबंधन केँ 350 या ओहि सँ बेसी सीट कs नजदीक पहुंचैत देखल जा रहल अछि।
सरकार बनेबा लेल लोकसभा मे कम सँ कम 272 सीट चाही।