spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिआबि रहल अछि क्षुद्रग्रह ( एस्टेरॉयड) : मचि सकैत अछि पृथ्वी पर...

आबि रहल अछि क्षुद्रग्रह ( एस्टेरॉयड) : मचि सकैत अछि पृथ्वी पर तबाही !

-

नई दिल्ली : खगोलीय घटना क्रम मे क्षुद्रग्रह (एस्टेरॉयड) बहुत दिन सँ पृथ्वी लेली खतरा मानल जायत रहल अछि । यदि कोनो क्षुद्रग्रह (एस्टेरॉयड) पृथ्वी सँ टकरा जाय त’ ओ तबाही मचा सकैत अछि ।

एहि बेर केँ क्षुद्रग्रह (एस्टेरॉयड) केँ नाम नाम 2011 MW1 अछि । ई 380 फीट केँ विशाल क्षुद्रग्रह (एस्टेरॉयड) अछि । ई क्षुद्रग्रह ( एस्टेरॉयड) चिंताजनक गति सँ पृथ्वी केँ तरफ आबी रहल अछि । छोट क्षुद्रग्रह ( एस्टेरॉयड) के तुलना मे जे अक्सर पृथ्वी केँ लग सँ गुजरै वला , ई एकटा विशालकाय भवन जका प्रतीत भ’ रहल अछि । एहि कारण सँ पृथ्वी पर रहनिहार जीवन लेल चिंताक विषय अछि। यदि कोनो क्षुद्रग्रह ( एस्टेरॉयड) पृथ्वी पर टकराबैत अछि त’ ओकरा सँ बड़ तबाही होयबाक संभावना रहैत अछि । ई क्षुद्रग्रह ( एस्टेरॉयड) एखन 28, 946 किलोमीटर प्रति घंटा के रफ्तार सँ आगू बढ़ि रहल अछि ।
नासा केँ सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे एक बेर एकटा क्षुद्रग्रह ( एस्टेरॉयड) पृथ्वी सँ टकराओल छल , जेकरा बाद डायनासोर प्राणी विलुप्त भ’ गेल । एकरा बाद बहुत बेर पृथ्वी केँ नजदीक सँ गुजरै वाला क्षुद्रग्रह ( एस्टेरॉयड) केँ टकरेबाक केँ संभावना बढ़ी गेल, मुदा कहियो भेल नहि । आब अमेरिकी अंतरिक्ष एजेंसी नासा द्वारा विशाल क्षुद्रग्रह ( एस्टेरॉयड) केँ संबंध मे अलर्ट जारी क’ देल गेल अछि ।

सेंटर फॉर नियर अर्थ ऑब्जेक्ट स्टडीज(CNEOS) केँ गणना केँ अनुसार ई (एस्टेरॉयड) 28,946 किमी प्रति घंटा केँ गति सँ पृथ्वी केँ तरफ बढ़ी रहल अछि । जखन ई पृथ्वी केँ नजदीक होयत तखन एकर दूरी 71 लाख किमी होयत। नासा केँ जेट प्रोपल्शन लेबोरेटरी अनुसार ई (एस्टेरॉयड) 25 जुलाई क’ पृथ्वी केँ सबसँ नजदीक सँ गुजरत । खगोलीय दृष्टि सँ ई दूरी बेसी नहि अछि । जं अपन तय रस्ता सँ ई क्षुद्रग्रह भटकैत अछि आओर पृथ्वी केँ गुरुत्वाकर्षण मे आबि गेल त’ भयानक तबाहि मचि सकैत अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts