spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeमौसमआबि रहल अछि चक्रवाती बबंडर ' रेमल ' - संभावना अछि बिहार...

आबि रहल अछि चक्रवाती बबंडर ‘ रेमल ‘ – संभावना अछि बिहार संग झारखण्ड सेहो होयत प्रभावित

-


चक्रवात रेमल केँ कारण कोलकाता हवाई अड्डा आई रविदिन दुपहर 12 सँ सोमदिन भोर 9 बजे धरि 21 घंटा तक लेल उड़ान परिचालन बंद रहत। भारतीय तटरक्षक बल समुद्र मे नौ आपदा राहत दल तैनात केलक अछि। एहि केँ अलावा बंगाल मे एनडीआरएफ केँ 12 टा टीम सेहो केँ तैनात करल गेल अछि । कोलकाता हवाई अड्डा 21 घंटा तक बंद रहत

पश्चिम बंगाल आ उत्तर ओडिशा केँ तटीय जिला मे तेज हवा चलय केँ संभावना अछि
मौसम विभाग केँ कहब अछि जे उत्तरी ओडिशाक तटीय जिला बालासोर, भद्रक आ केंद्रपारा मे आई आ काल्हि भारी बरखा केँ संभावना अछि।  संगहि 27 मई क’ मयूरभंज मे भारी बरखा क’ संभावना अछि। संगहि 26 मई क’ मिजोरम, त्रिपुरा आ दक्षिण मणिपुर मे बेसी ठाम हल्का बरखा क’ संभावना अछि जाहि मे किछु ठाम बहुत भारी बरखा होएत। 27 आ 28 मई कए असम आ मेघालय, अरुणाचल प्रदेश, नागालैंड, मिजोरम, मणिपुर आ त्रिपुरा पर हल्का बरखा हेबाक संभावना अछि। बिहार मे सेहो किछ जगह पर बरखा भ’ सकैत अछि। चक्रवात ‘ रेमल’ केँ कारण रविदिन साँझ 6 बजे सँ बंगाल केँ श्यामा प्रसाद मुखर्जी बंदरगाह पर 12 घंटा केँ लेल सभ कार्गो आ कंटेनर हैंडलिंग केँ काज बंद करय केँ निर्णय कैल गेल अछि। मौसम विभाग दक्षिण 24 परगना मे 100 सँ 110 किलोमीटर प्रति घंटा आ उत्तर 24 परगना मे 90 सँ 100 किमी प्रति घंटा सँ 110 किलोमीटर प्रति घंटा हवाक गति 26-27 मई केँ चेतावनी देलक अछि। विभाग कोलकाता, हावड़ा, नादिया आ पुरबा मेदिनीपुर जिला लेल ऑरेंज अलर्ट जारी केलक अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts