spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिआर्थिक खबर/ वाणिज्यिक सिलिंडर ₹44.50 धरि सस्ता भऽ गेल, गाड़ी किनब महंग...

आर्थिक खबर/ वाणिज्यिक सिलिंडर ₹44.50 धरि सस्ता भऽ गेल, गाड़ी किनब महंग भेल, युनिफाइड पेंशन योजना शुरू

-

नयी दिल्ली/ नव महीना अर्थात् अप्रैल अपने संग कई बदलाव लऽ कऽ आयल अछि। आब 12 लाख रुपए धरि कऽ कमाई पर इनकम टैक्स नहि लागत। एकर अलावा आज सँ मारुति सुजुकी, टाटा मोटर्स, किआ इंडिया, हुंडई इंडिया आ होंडा केर गाड़ी के दाम बढ़ि गेल अछि। एकर संगहि वाणिज्यिक सिलिंडर ₹44.50 धरि सस्ता भऽ गेल अछि।

अप्रैल महिना मे 10 बदलाव देखल जायत। वाणिज्यिक सिलिंडर ₹44.50 सस्ता भश् गेल अछि जखन कि घरेलू सिलिंडरक दाम मे कोनो बदलाव नहि कएल गेल अछि। आज सँ 19 किलो वाला वाणिज्यिक सिलिंडर ₹44.50 धरि सस्ता भश् गेल अछि। दिल्ली मे एकर दाम ₹41 घटि कश् ₹1762 भश् गेल अछि। पहिने ई ₹1803 मे भेटैत छल। कोलकातामे ई ₹44.50 घटि कश् ₹1868.50 मे भेटि रहल अछि, पहिने एकर दाम ₹1913 छल।

मुंबई मे सिलेंडर ₹1755.50 सँ ₹42 घटिकए ₹1713.50 भऽ गेल अछि। चेन्नई मे सिलेंडर ₹1921.50 मे भेट रहल अछि। हालाँकि, 14.2 किलो वाले घरेलू गैस सिलेंडर केर कीमत मे कोनो परिवर्तन नहि भेल अछि। दिल्ली मे ई ₹803 आ मुंबई मे ₹802.50 मे भेट रहल अछि।न्यू टैक्स रिजीम मे 12 लाख रुपयाक तकक इनकम टैक्स फ्री कर देल गेल अछि। आब न्यू टैक्स रिजीम कऽ तहत 12 लाख रुपयाक तकक कमाई पर कोनो टैक्स नहि देबाक अछि। नौकरीपेशा लोकक लेल 75 हजारक स्टैंडर्ड डिडक्शन संग ई छूट 12.75 लाख रुपयाक भऽ जायत। सरकार न्यू टैक्स रिजीम केर स्लाब मे सेहो बदलाव केने अछि। पुरान टैक्स रिजीम मे कोनो बदलाव नहि केल गेल अछि।

महिलाक सम्मान सेविंग्स सर्टिफिकेट योजना बंद कएल गेल अछि। सरकार द्वारा महिलाक लेल चलाओल जा रहल विशेष निवेश योजना, महिला सम्मान सेविंग्स सर्टिफिकेट बन्द भश् गेल अछि। ई योजना केर डेडलाइन 31 मार्च 2025 छल। ई योजना मे 7.5ः वार्षिक ब्याज प्रदान कएल जायत छल। एहिमे कम सँ कम 1000 टका सँ लऽ कऽ अधिकतम 2 लाख टका केर निवेश 2 वर्षक लेल कएल जाइत छल। आज सँ फोर व्हीलर गाड़ी किनब महँग भश् जायत। मारुति सुजुकी, टाटा मोटर्स, किआ इंडिया, हुंडई इंडिया आ होंडा कार्स अपन-अपन गाड़ी के आज सँ कीमत बढ़ा देलथि अछि। मारुति सुजुकीक गाड़ीयाँ 4 प्रतिशत धरि महंगा भश् गेल अछि, ई मॉडल केर आधार पर अलग-अलग भश् सकैत अछि।

इनएक्टिव मोबाइल नम्बर पर आब यूपीआई काज नहि करत। जँ अहाँ यूपीआई सँ ट्रांजैक्शन करैत छी आ बैंक सँ लिंक्ड अहाँक मोबाइल नम्बर बहुत समय सँ इनएक्टिव अछि तश् एहि नम्बर पर यूपीआईक प्रयोग नहि कश् सकब। एहन नम्बर केँ यूपीआई सिस्टम सँ हटा देल जायत। एहन स्थिति मे अहाँ केँ पेमेंट करबा मे समस्या भश् सकैत अछि। आब वरिष्ठ नागरिक केँ ब्याज सँ आय पर दोगुना छूट भेटत। वरिष्ठ नागरिक केँ बैंक आ पोस्ट ऑफिसक ब्याज सँ होइवाली कमाई पर भेट वाला टैक्स छूट केँ 50 हजार सँ बढ़ा कश् 1 लाख रुपये कएल गेल अछि। अर्थात आब ब्याजक आय पर वरिष्ठ नागरिक केँ 1 लाख रुपये धरि राहत भेटत।

केंद्रीय कर्मचारी सभक लेल एकीकृत पेंशन योजना शुरू होयत। नेशनल पेंशन स्कीम के तहत अब एकीकृत पेंशन योजनाक लाभ केंद्रीय कर्मचारी उठा सकैत छथि। एहि योजना मे 25 वर्षक सेवा वाले कर्मचारी अपने अंतिम 12 मासक औसत मूल वेतनक 50 प्रतिशतक बराबर पेंशनक लेल पात्र होयत। एहि मे न्यूनतम 10 हजार रुपया मासिक पेंशनक गारंटी सेहो अछि।ई योजना पुरान पेंशन स्कीम, नव पेंशन स्कीम आ कर्मचारी सभक विभिन्न मांग सभक बीच एक संतुलन बनेबय लेल लाएल गेल अछि। एनपीएस के तहत कर्मचारी अपन सैलरीक 10ः योगदान देत, जबकि सरकार 18.5ः केर योगदान देत। वर्तमान एनपीएस केर तहत आ रहल कर्मचारी यूपीएस चुनि सकैत छथि वा एनपीएस मे रहि सकैत छथि।

यदि यूलिप यानि, यूनिट लिंक्ड इंश्योरेंस प्लानक प्रीमियम प्रति वर्ष 2.5 लाख रुपय सँ बेसी अछि, त ई पूंजी संपत्ति मानल जायत। एहन यूलिप केँ भुनाएबासँ होमए वला कोनो लाभ पर पूंजी लाभ कर लागु होयत। यूलिप एकटा एहन प्रोडक्ट अछि जिम्हर प्रीमियमक एक हिस्सा शेयर बाजार मे निवेश कएल जायत।बैंक मे मिनिमम बैलेंस सँ जुड़ल कई नियम मे बदलाव कएल गेल अछि। भारतीय स्टेट बैंक, पंजाब नेशनल बैंक, केनरा बैंक आ किछु अन्य बैंक सब मिनिमम बैलेंस सँ जुड़ल कई नियम मे बदलाव कएल अछि। आब ई बैलेंस एहि बात पर निर्भर करैत अछि जे अपनेक खाता शहरी, अर्ध-शहरी वा ग्रामीण इलाकामे अछि। अपने केँ तय राशि सँ कम बैलेंस पर जुर्माना सेहो भुगतए पड़ि सकैत अछि।

हवाई सफर सस्तो भश् सकैत अछि। ऑयल मार्केटिंग कंपनी सभएविएशन टर्बाइन फ्यूलक कीमत मे कटौती केने अछि। एही सँ हवाई सफर सस्तो भश् सकैत अछि। इंडियन ऑयलक वेबसाइटक अनुसार, चेन्नई मे एटीएफ 6,064.10 रुपैया सस्तो भश् कश् 92,503.80 रुपैया प्रति किलोलीटर (1000 लीटर) भश् गेल अछि। पेट्रोल-डीजलक कीमत मे आज अर्थात 1 अप्रैल कश् कनेक बदलाव नहि भेल अछि। हाल मे दिल्ली मे पेट्रोल 94.72 रुपैया लीटर अछि, तश् डीजल 87.62 रुपैया लीटरक हिसाब सँ बिक रहल अछि। ओही प्रकार, मुंबई मे पेट्रोल 103.44 रुपैया आ डीजल 89.97 रुपैया प्रति लीटर भेटि रहल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts