spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिआवंटन दरभंगा टाउन हाल कें आ कार्यक्रम स्थल डॉ. अंबेडकर कल्याण छात्रावास...

आवंटन दरभंगा टाउन हाल कें आ कार्यक्रम स्थल डॉ. अंबेडकर कल्याण छात्रावास पर राहुल गाँधी कें कार्यक्रम ?

-

लहरि रूम (दरभंगा) : जेना की अपने सब जनैत छी। बिहार मे विधानसभा चुनाव के विगुल बाजि चुकल अछि। आई कांग्रेस पार्टी के द्वारा मिथिला नगरी दरभंगा सँ बिहार विधान सभा चुनाव के जन सम्पर्क अभियान केँ शंखनाद कयलक। जन सम्पर्क करबाक हेतु ‘शिक्षा न्याय संवाद’ के कार्यक्रम राखल जाहि मे राहुल गाँधी के उपस्थिति छलनि। हिनक उपस्थिति हंगामेदार रहल। कारण जे उपरोक्त कार्यक्रमक आयोजन स्थल डॉ. अंबेडकर कल्याण छात्रावास के बनाओल गेल छल। मुदा आवंटन दरभंगा टाउन हाल (नगर भवन) के भेल। राहुल गाँधी के आयोजित कार्यक्रम स्थल पर नहि जाय देबाक लेल प्रशासन द्वारा हुनक काफिला के मिथिला विश्वविद्यालय के सामने रोकल गेल। मुदा लोकसभा नेता प्रतिपक्ष अपन गाड़ी सँ उतरि कार्यक्रम स्थल लेल पैरे विदा भ’ गेला। पहुचाला के बाद ‘शिक्षा न्याय संवाद’ कार्यक्रम मे मोदी आओर वर्तमान सरकार पर भरि पेट बजला। केना हुनका कहने जाती जनगणना के बात मानलक। हुनक सरकार आओर त’ की नव रूप रेखा सरकार के होयत।

जिला मजिस्ट्रेट के बयान
जिला मजिस्ट्रेट (डीएम) राजीव रोशन स्पष्ट कयलनि जे सुरक्षा आ कानूनी सरोकार के कारण उक्त छात्रावास मे आयोजन करै के अनुमति नै देल गेल छल । संगहि कांग्रेस केँ पूर्व मंत्री मदन मोहन झा के टाउन हॉल के बुकिंग के लेल आवेदन मिलला के बाद नगर भवन के आवंटन कयल गेल छल।

हंगमा क’ अपना आप केँ प्रसिद्ध करय केँ प्रयास !
किछु दिन पहिने पहलगाम हमला भेल छल। जाहि कारण सम्पूर्ण भारतवर्ष प्रधानमंत्री मोदी केँ तरफ देखैत छल। अहि क्रम मे मोदी जी मिथिला क्षेत्र मे प्रथम जनसभा छल आओर ओहि जनसभा सँ प्रधानमंत्री सम्पूर्ण विश्व के कहने छला जे “हम पहलगाम का बदला लेंगे आ हम घर मे घुसकर मारेंगे “. पहिले जल संधि निरस्त कयल गेल। फेर सँ पकिस्तान संग युद्ध भेल आई पाकिस्तानक की हाल छल छैक ककरो नुकायल नहि अछि। हलाकि अहि सब योजना में विपक्ष के पूर्ण समर्थन छल। लेकिन सम्पूर्ण युद्ध मे मात्र भारतवर्ष मे एकेटा नाम चलैत छल। मोदी मोदी मोदी। निश्चित तौर पर मोदी के लोकप्रियता सम्पूर्ण भारत संग विश्व मे बढ़ल। एक दिन अपन समर्थन के बाद राहुल गाँधी आ कांग्रेस कतौ देखबा मे नहि आयल। आब जखन सब बात स्थिर भ’ गेल कांग्रेस लागि गेल जे कोना हमरो ओहिना चर्चा होयत। ओहो प्रथम कार्यक्रम मिथिला मे राखलक। मिथिला के कोनो छात्रावास मे आई तक राजनीतिक सँ प्रेरित कार्यक्रम नहि होईत छल से भेल। ज प्रशासन के बात मानि त’ जबरदस्ती भेल। मुदा अहि तरहक आयोजन क’ राहुल गाँधी बिहार विधानसभा चुनाव के चुनावी वातावरण के गरमा क’ प्रचलित होयबाक निक प्रयास कयलनि अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts