नई दिल्ली : फ्लाइट मे बमक खबरि केँ कारण यात्री सब मे दहशत मचि गेल छल। सबके इमरजेंसी गेट सँ फ्लाइट सँ बाहर निकालल गेल। अधिकारी मौका पर पहुंचल छथि आ जांच जारी अछि।
दिल्ली फायर सर्विस केँ अनुसार दिल्ली सँ वाराणसी जाय वाला फ्लाइट पर आई भोर 5.35 बजे बमक जानकारी भेटल छल। क्यूआरटी मौका पर पहुंच गेल अछि। सब यात्री केँ आपातकालीन दरवजा सँ बाहर निकालल गेल। सब यात्री सुरक्षित छथि। हवाई जहाज केँ निरीक्षण भ’ रहल अछि।
विमान केँ जांचक लेल आइसोलेशन मे ल’ गेल अछि। हवाई अड्डा केँ एगो अधिकारी द्वारा एहि जानकारी केँ NIA केँ बताओल गेल छल।