नई दिल्ली : विदेश मंत्रालय द्वारा सूचना प्रसारित कयल जा रहल अछि जे गोटे वर्तमान मे ईरान या इजरायल मे रहि रहला अछि ओ ओहिठाम केँ भारतीय दूतावास सँ शीघ सम्पर्क क’ अपन पंजीकरण करबा लैथ। इजरायल आओर ईरान केँ बिच तनाव केँ ई स्थिति उत्पन्न भेल अछि। ।ईरान अपना ऊपर भेल हमला लेल इजरायल केँ जिम्मेदार कहि रहल अछि आओर संभावना अछि जे तेहरान जल्दिये इजरायल पर हमला करत । विदेश मंत्रालय द्वारा एडवाइज़री जारी क’ ईरान आओर इजरायल मे रहय वाला भारतीयऽ केँ अपन सुरक्षा के प्रति अत्यंत सावधान रहबाक आओर अपन गतिविधि केँ कम सँ कम रखबाक केँ सलाह देल गेल अछि ।
इजरायल पर ईरानी कार्रवाई केँ खतरा, भारत संग अनेक देश जारी केलक ट्रैवल एडवाइज़री
-

