नई दिल्ली: मीडिया सूत्र सँ जानकारी भेट रहल अछि , दिल्ली केँ पूर्व उपमुख्यमंत्री मनीष सिसोदिया केँ जमानत याचिका केँ विरोध करैत ED साफ तौर पर कहलक जे अतिशीघ्र आम आदमी पार्टी केँ सेहो आरोपी बनाबै वाला अछि । एकरा लेल नव चार्ज शीट दायर कएल जाएत। कथित शराब घोटाला केँ जांच करय वाला ED मंगलदिन हाईकोर्ट मे ई घोषणा केलक अछि, जाहि पर किछ महीना सँ काफी अटकलबाजी चलि रहल छल। दिल्ली केँ पूर्व उपमुख्यमंत्री मनीष सिसोदिया केँ जमानत याचिका केँ विरोध करैत ईडी वकील साफ तौर पर कहलैथ जे ED जल्द आम आदमी पार्टी केँ सेहो आरोपी बनाबै वाला अछि । जस्टिस स्वर्णकांत शर्मा केँ कोर्ट मे ईडी केँ वकील कहलनि जे, आम आदमी पार्टी केँ नवका आरोप मे सह-आरोपी बनाओल जायत। जांच एजेंसी केँ वकील आगू कहलनि जे, आरोपी द्वारा आरोप केँ रूपरेखा बनेबाक प्रक्रिया मे देरी करबाक प्रयास भ’ रहल अछि। सिसोदिया केँ जमानत मँगैत काल सिसोदिया केँ वकील कहलनि जे ईडी आ सीबीआई एखनो लोक केँ गिरफ्तार क’ रहल अछि आ मुकदमा केँ अंतिम निष्कर्ष पर कोनो प्रश्न नहि भ’ रहल अछि।
जं अपन दावा केँ अनुसार ईडी आम आदमी पार्टी केँ आरोपी बना दैत अछि त’ ई पहिल बेर होएत जे कोनो राष्ट्रीय पार्टी केँ विरोध मे पीएमएलए केस दर्ज होएत।
Trending Now
