रांची : आईएसडीजी रिसर्च फाउंडेशन द्वारा प्रकाशित पुस्तक “उद्यमिता हैंडबुक: ग्रामीण उद्यम की प्रारंभिका” केँ आई शनि दिन रांची स्थित अशोक नगर क्लब मे भव्य समारोह मे विमोचन कयल गेल | पुस्तक केँ लेखक तरुण कुमार आओर सह-लेखन आकांक्षा ओझा केँ छनि । कार्यक्रमक विषय केँ परिचय आईएसडीजी रिसर्च फाउंडेशन केँ निदेशक कुमार देवशीश केने छलाह। प्रकाशन केँ पाछूक प्रेरणा केँ बारे मे विस्तार सँ प्रस्तुत कयलनि आओर कहलनि जे एक दशक सँ बेसी समय सँ ग्रामीण समुदाय केँ संग कार्य करबाक अनुभव हुनका एकटा गाइडबुक बनेबाक लेल कयलक जे सब आकांक्षी ग्रामीण उद्यमी लोकनिक लेल एक-स्टॉप समाधान रूप मे होयत ।
कार्यक्रम केँ अध्यक्षता स्वामी भविष्यानन्द (रामकृष्ण मिशन आश्रम) केने छलाह | अपन संबोधन मे ग्रामीण उद्यमिता केँ महत्व पर प्रकाश दैत कहला – ग्रामीण उद्यमिता ‘अंत्योदय’ केँ प्रभावी माध्यम केना बनी सकैत अछि। विशेष रूप सॅं एहि पोथी केँ प्रशंसा करैत कहला जे इ पोथी ग्रामीण उद्यमी लेल वरदान साबित होएत। पोथीक सरल भाषा आ विस्तृत जानकारी देशक कोनो गाम, प्रखंड वा कोनो कोन मे एकटा आम उद्यमी लेल अत्यंत उपयोगी सिद्ध होयत । ओ सभा केँ मोन पाड़लनि जे कोना स्वामी विवेकानंद जमशेदजी टाटा केँ कारखाना आ शोध संस्थान बनेबाक लेल प्रेरित केने छलाह।
विशेष अतिथि पूर्व सांसद महेश पोद्दार अपन सबोधन मे एहि बात पर जोर देलनि जे झारखंड केँ आदिवासी समुदाय एवं उद्यमी सबहक विकास हेबाक चाही । ओ नव युग मे ग्रामीण परिदृश्य मे उत्पादन आ उद्यमिता केँ नव तरीका सँ संगठित करबाक सुझाव देलनि ।
इ पुस्तक मे उद्यमी कें प्रोफाइल तैयार करनाय, बाजार अनुसंधान करनाय, एकटा सरल मुदा प्रभावी व्यवसाय योजना तैयार करनाय, वित्तीय विश्लेषण करनाय, वित्तीय सहायता प्राप्त करनाय, व्यवसाय पायलट चलानाय, आ अंत मे व्यवसाय कें विस्तार करनाय जेना सब गतिविधियक कें विस्तृत विवरण देल गेल अछि। ई पुस्तक मे व्यवसाय केँ उतार-चढ़ाव केँ दौरान प्रेरित रहनाइ आओर सही समय पर व्यवसाय सँ बाहर निकलै केँ महत्व पर सेहो प्रकाश देल गेल अछि ।
एहि अवसर पर उपस्थित गणमान्य लोग मे गौतम कुमार ( महाप्रबंधक -नाबार्ड), डॉ. शिवेंद्र कुमार (पूर्व प्रधान वैज्ञानिक -आईसीएआर- प्लांडू) अयोध्यानाथ मिश्र, राजीव कुमार, अरविंद सिन्हा, दीपक मारू , अमर नाथ झा आओर महेन्द्र कुमार उपस्थित छला | मंच संचालन त्रिभुवन शर्मा केलनि। कार्यक्रम मे संगठन प्रबंधक बिनोद कुमार, आशीष बर्मन, प्रभु साह, जितेश मौर्य आ सहदेव साहू केँ महत्वपूर्ण भूमिका छल ।