spot_img
Thursday, August 21, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिउप राष्ट्रपति पद हेतु झारखण्ड के पूर्व राज्यपाल सीपी राधाकृष्णन बनला NDA...

उप राष्ट्रपति पद हेतु झारखण्ड के पूर्व राज्यपाल सीपी राधाकृष्णन बनला NDA प्रत्याशी

-

लहरि रूम (रांची) : तमिलनाडु मे निश्चित आओर संग दक्षिण भारत आरो राज्य मे वर्ष 2026 मे विधानसभा चुनाव निश्चित अछि ओहि सँ पूर्व भारतीय जनता पार्टी के केंद्र के सरकार उप राष्ट्रपति पद हेतु तमिलनाडु के भाजपा नेता सीपी राधाकृष्णन अपन उम्मीदवार घोषित कयलक अछि। पार्टी हुनक प्रस्तुति व्यवहारिक, सरल आओर साफ़ छवि वाला व्यक्ति के रूप मे कयलक अछि। कोनो तरहक संघर्ष आओर विवाद के नेतृत्व क’ सोझराबै वला व्यक्ति कहलक अछि।

सीपी राधाकृष्णन तमिलनाडु के एकमात्र भाजपा नेता छथि जे 1998 आओर 1999 मे दू बेर लोकसभा मे चुनल गेलाह। 1998 के लोकसभा चुनाव मे राधाकृष्णन डीएमके के उम्मीदवार केआर सुब्बियन के लगभग डेढ़ लाख वोट के अंतर सँ पराजित कयने छला। ओहि समय दक्षिण भारत मे भाजपा के सबस पैघ जीत छल। इ परिणाम तखन भेल जखन कांग्रेस आओर डीएमके के राज्य मे मजबूत पकड़ छल। संगहि फरवरी 2023 सँ जुलाई 2024 के बीच झारखंड क राज्यपाल के रूप मे छला ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts