लहरि रूम (दिल्ली ) : महाराष्ट्र केँ अगिला मुख्यमंत्री के हेताह?

सीएम एकनाथ शिंदे प्रेस कॉन्फ्रेंस मे एहि प्रश्नक जवाब देलथि। ओ कहलनि जे हम पीएम मोदी केँ फोन कs कहलियनि जे कोनो तरहक बाधा मोन मे नहि राखू। सीएम पद पर दावा छोड़ैत ओ कहला जे हम भाजपा केँ मुख्यमंत्री केँ स्वीकार करैत छी। ओ भाजपा केँ सीएम उम्मीदवार केँ समर्थन करताह। ओ कहला जे महायुति महाराष्ट्र केँ विकास लेल काज करत। ओ कहलनि जे हम लोकप्रियता लेल नहि महाराष्ट्रक लोक लेल काज केलहुं। ओ पीएम मोदी केँ धन्यवाद देलनि जे प्रधानमंत्री विकास कार्यक योजना केँ क्रियान्वयन मे हमेशा एकटा चट्टान जकाँ ठाढ़ रहला अछि। सीएम शिंदे कहलनि जे हम कानय वाला मे नहि छी, लड़य वाला मे छी. हम ने तमसाएल छी आ ने दुखी छी।
देवेन्द्र फडणवीस केँ दिल्ली बजाओल गेल….
अपने सबके जानकारी दी जे भाजपा हाईकमान देवेन्द्र फडणवीस केँ दिल्ली बजौने अछि । एहि केँ अलावा शिवसेना आओर राकांपा केँ नेता सेहो दिल्ली लेल प्रस्थान करता। फडणवीस कहलनि जे,महायुति केँ तीनू दल मिलिकय सरकार बनाओत। अजीत पवार सीएम रेस सँ बाहर छथि। देवेन्द्र फडणवीस केँ समर्थन केँ घोषणा केने छैथ। अजीत पवार पिछला चारि दिन सँ सीएम केँ मुद्दा पर चुप्पी साधने छथि। भाजपा नेता सुधीर मुंगेवार कहलनि जे, पार्टी केँ 132 सीट पर पैघ जीत भेटल अछि। सीएम केँ घोषणा जल्दिये होयत। सूत्रक अनुसार एकनाथ शिंदे सीएम पद छोड़बाक बदला गृह मंत्रालय केँ मांग केलनि अछि।