spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeराजनीतिएक तरफ 'गोपाल' आओर दोसर तरफ यदुवंशी 'ललित यादव' : दिलचप्स महामुकाबला

एक तरफ ‘गोपाल’ आओर दोसर तरफ यदुवंशी ‘ललित यादव’ : दिलचप्स महामुकाबला

-

दरभंगा : शनैः शनैः लोकसभा चुनाव जहिना नजदीक आबि रहल अछि ओहिना राजनीतिक पारा चढ़ैत जा रहल अछि। भारतीय जनता पार्टी लोकसभा चुनाव 2024 केँ दरभंगा लोकसभा प्रत्याशी दोसर बेर पुनः गोपाल जी ठाकुर केँ बनौलनि तँ दोसर तरफ I-N-D-I गठबंधन राजद केँ खेमा सँ ललित यादव केँ अपन प्रत्याशी बनौलनि अछि।

भाजपा द्वारा गोपाल जी ठाकुर पर कियैक भरोस बेसी
गोपाल जी ठाकुर केँ राजनीतिक सफर भाजपा केँ सक्रीय सदस्य केँ रूप मे प्रारम्भ भेल छनि। आगा पार्टी हुनक क्रियाकलाप केँ देखैत दरभंगा जिला केँ जिलाध्यक्ष बनेलक। 2010 मे बेनीपुर विधानसभा क्षेत्र भाजपा केँ विधायक बनला। 2015 केँ विधानसभा चुनाव मे पराजय केँ सामना करय परलनि। 2019 केँ लोकसभा चुनाव जखनि प्रधानमंत्री मोदी केँ लहरि मे चुनावी प्रत्याशी बनला आओर सांसद बनि लोकसभा पहुँचला। 2019 केँ लोकसभा चुनाव मे राष्ट्रिय जनता दल केँ प्रत्याशी अब्दुलबारी सिद्दीकी केँ परास्त क’ लोकसभा पहुँचल छला। गोपाल जी केँ दरभंगा लोकसभा क्षेत्र केँ प्रतिनिधित्व करैत भाजपा द्वारा रेलवे केँ स्थायी समिति आओर परामर्शदात्री समिति केँ सदस्य बनाओल गेल। श्री ठाकुर रेल मंत्रालय आओर भाजपा केँ राष्ट्रिय कार्यकारिणी केँ विशेष आमंत्रित सदस्य छथि। 17मं लोकसभा मे रिकॉर्ड वोट 2,67,979 केँ अंतर सँ विजयी भेल छला। केंद्र केँ द्वारा आयल योजनाक लाभ स्थानीय जनता तक पहुंचाबय मे कतेक सक्षम भेल छथि आओर जनमानस केँ कतेक स्नेही छथि ओकर परिणाम 4 जून क’ भेटत।

ललित यादव केँ मतलब जीत केँ गारंटी !
दरभंगा लोकसभा सीट सँ राजद द्वारा ग्रामीण विधासभा केँ विधायक आओर पूर्व मंत्री ललित कुमार यादव केँ चुनाव चिह्न दैत अपन प्रत्याशी बनेलक अछि। ललित यादव अपन विधानसभा सँ छः बेर सँ अनवरत विधायक छथि। एहि विधानसभा मे परिसीमन भेलाक बादो लगातार विजयश्री केँ माला पहिरैत आबि रहल छथि। 2020 केँ विधानसभा चुनाव मे राजद केँ 10 विधानसभा सीट मे सँ मात्र एक ग्रामीण विधानसभा सँ चुनाव जीत क’ ललित यादव दरभंगा मे राजद केँ लाज रखने छला। राजनीतिक सफर मे ललित यादव प्रथम बेर 1995 मे कांग्रेस केँ कद्दावर नेता मदन मोहन झा केँ हरौलनि जाहि सँ हुनक क्षेत्र मे कांग्रेस केँ वर्चस्व समाप्त कयलनि। ओहि केँ बाद ललित लगातार 6 बेर सँ चुनाव जीत रहला अछि।
आजादी केँ बाद बनल मनीगाछी विधानसभा क्षेत्र सँ 1952 सँ 1995 तक कांग्रेस केँ दबदबा छल। एहि समयाकाल मे कांग्रेस केँ डॉ. नागेंद्र झा 1967 सन 1985 तक आओर 1995 सँ 1995 तक डॉंक्टर साहेब केँ पुत्र डॉ. मदन मोहन झा विधायक बनि प्रतिनिधित्व कयलनि अछि।
राजनीतिक विद्वान लोकनिक जं मानि तँ दरभंगा लोकसभा चुनाव 2024 कोनो महामुकाबला सँ कम नहि अछि। I-N-D-I गठबंधन दमदार प्रत्याशी केँ उतारि चुनाव केँ दिलचप्स बना देने अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts