spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिएहि छह शर्त पर दिल्ली केँ मुख्यमंत्री केजरीवाल केँ 50 दिन बाद...

एहि छह शर्त पर दिल्ली केँ मुख्यमंत्री केजरीवाल केँ 50 दिन बाद भेटलनि अंतरिम जमानत

-

नई दिल्ली : सुप्रीम कोर्ट द्वारा दिल्ली केँ मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवाल केँ 1 जून तक अंतरिम जमानत देलक। केजरीवाल 21 मार्च क’ 2024 क’ प्रवर्तन निदेशालय (ED) द्वारा गिरफ्तार कयल गेल छल। करीब 50 दिनक बाद हुनका राहत भेटलनि। हुनका ई राहत दैत सुप्रीम कोर्ट किछु शर्त लगा देलक अछि, जकर पालन करय पड़तनि। ओ शर्त अछि

  1. अरविंद केजरीवाल केँ 2 जून क’ आत्मसमर्पण क’ जेल मे वापस आबय परतनि ।
  2. हुनका 50 हजार रुपैयाक बांड देबय पड़तनि।
  3. आबकारी नीति घोटाला सँ जुड़ल मनी लांड्रिंग मामला मे केजरीवाल अपन भूमिका पर कोनो टिप्पणी नहि क’ सकैत छथि।
  4. हुनका अपन कथन के पालन करय पड़तनि जे जा धरि मामला लेफ्टिनेंट गवर्नर सँ मंजूरी लेबय केँ बराबर जरूरी नहिं होयत ता धरि कोनो आधिकारिक फाइल पर हस्ताक्षर नहिं करताह।
  5. केजरीवाल मुख्यमंत्री कार्यालय आ दिल्ली सचिवालय मे नहि जेता।
  6. कोनो गवाह सँ गप नहि क’ सकैत छथि आ नई मामला सँ संबंधित आधिकारिक दस्तावेज देख सकैत छथि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts