spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिएहि बेरक लोकसभा चुनाव मे सबसँ पैघ मुद्दा ‘बेरोजगारी’ अछि : खड़गे

एहि बेरक लोकसभा चुनाव मे सबसँ पैघ मुद्दा ‘बेरोजगारी’ अछि : खड़गे

-

नवका दिल्ली/ रैब कऽ कांग्रेस अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खड़गे, भारतीय जनता पार्टी आ हुनकर नेतृत्व मे चलि रहल एनडीए गठबंधन सरकार पर पैघ हमला कैलनि। ओ अपन सोशल मीडिया मंच पर एकटा पोस्ट कैलनि। ओहि पोस्ट मे ओ भाजपा आ केन्द्र सराकर पर जबर्दस्त हमला बोललन।

खड़गे कहला, लोकसभा चुनाव मे भाजपा द्वारा थोपल गेल सबसँ पैघ मुद्दा बेरोजगारी अछि। ओ दावा कयलनि, युवा लोकनि रोजगार तकबाक लेल संघर्ष कऽ रहल छथि आ देश जनसांख्यिकीय दुःस्वप्नष्क सामना कऽ रहल अछि।

खड़गे सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म एक्स पर पोस्ट कयलनि, ‘युवा न्यायक अन्तर्गत कांग्रेसक पहिल नौकरी निश्चित’ गारंटी काज आ शिक्षा केँ अलग करयवला बाधा केँ दूर करत, जाहि सँ कैरियरक विकासक नव मार्ग खुजि जायत।

खड़गे कहलनि, एहि लोकसभा चुनाव मे सब सँ पैघ मुद्दा बेरोजगारी अछि, जे भाजपा द्वारा थोपल गेल अछि। हमर युवा सभ नौकरी तकबाक लेल संघर्ष कऽ रहल छथि, आ हम जनसांख्यिकीय दुःस्वप्नक सामना कऽ रहल छी। श्श्

भारतक प्रतिष्ठित संस्थान, भारतीय प्रौद्योगिकी संस्थान (आईआईटी) आ भारतीय प्रबंधन संस्थानक (आईआईएम) मामलाक हवाला दैत खड़गे दावा कयलनि जे 12 आईआईटीमे लगभग 30 प्रतिशत छात्र केँ नियमित नियुक्ति नहि भेटि रहल अछि।

21 आईआईएममे सँ मात्र 20 प्रतिशत एखन धरि ग्रीष्मकालीन प्लेसमेंट पूरा कऽ सकल अछि। जँ आईआईटी आ आईआईएमक इएह स्थिति अछि तखन कल्पना कयल जा सकैत अछि जे भाजपा कोना देश भरिमे हमर युवाक भविष्य बर्बाद कऽ देलक।

कांग्रेस अध्यक्ष कहलनि, प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक नेतृत्ववला सरकार मे 2014 सँ युवा बेरोजगारीक दर तीन गुना बढ़ि गेल अछि।

खड़गे एक्स पर पोस्ट कयलनि, अंतर्राष्ट्रीय श्रम संगठनक हालक भारत रोजगार रिपोर्टसँ पता चलैत अछि जे भारत प्रत्येक वर्ष लगभग 7-8 मिलियन युवा केँ श्रम शक्ति मे जोड़ैत अछि, मुदा 2012 आ 2019क बीच रोजगार मे लगभग शून्य वृद्धि – मात्र 0.01 प्रतिशत भेल।

ओ बजला, मोदीक दू करोड़ रोजगार देबाक गारंटी हमर युवाक हृदय आ मस्तिष्क मे एकटा दुःस्वप्नक रूप् मे प्रतिध्वनित भ’ रहल अछि। खड़गे कहलखिन, एहि लेल कांग्रेस पार्टी श्युवा न्याय के तहत फर्स्ट जॉब पक्का के गारंटी लेलक अछि।

खड़गे कहलनि जे 25 साल सँ कम आयुक कोनो डिप्लोमा या डिग्री धारक केँ आब रोजगार लेबाक कानूनी अधिकार होयत आ हुनका प्रति वर्ष कम सँ कम 1 लाख टाका भेटत। ई काज आ सीखय केँ अलग करैवाक बाधा केँ दूर करत, जाहि सँ कैरियरक विकासक नव मार्ग खुजि जायत।

कांग्रेस शुक्रदिन लोकसभा चुनावक लेल अपन घोषणापत्र पार्टी अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खड़गे आ पूर्व अध्यक्ष सोनिया गाँधी आ राहुल गाँधीक उपस्थितिमे एतै कांग्रेस मुख्यालय मे जारी कयलक, जाहि मे न्यायक पाँच स्तम्भ आ ओकर अन्तर्गत 25 गारंटी के चर्चा बैल गेल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts