नई दिल्ली : भारत मौसम विभाग (आईएमडी) अपन पूर्वानुमान मे कहलक अछि जे एहि साल बरखा ऋतु मे सम्पूर्ण देश मे सामान्य सँ बेसि बरखा केँ संभावना अछि।आईएमडी केँ प्रमुख मृत्युंजय महापात्र प्रेस कॉन्फ्रेंस मे कहलनि जे कि देश भरि मे 2024 केँ दक्षिण-पश्चिम मानसून के तहत 1 जून सन ३० सितंबर केँ मध्य मानसून केँ मौसमी बरखा केँ लम्बा अवधि औसत सँ 106 प्रतिशत होय के संभावना अछि । ओ कहला जे अगर मौसमी वर्षा क’ दीर्घकालीन औसतसँ 96 प्रतिशत सँ 104 प्रतिशत क’ मध्य बरखा अछि त’ इ सामान्य अछि। आईएमडी प्रमुख कहलनि जे, 106 प्रतिशत वर्षा सामान्य सँ ऊपर क’ श्रेणी मे होइत अछि आ जौं वर्षा लंबा अवधि क’ औसत केँ 105 प्रतिशत सँ 110 प्रतिशत केँ मध्य अछि त’ ओकरा सामान्य सँ ऊपर मानल जाइत अछि। महापात्र कहलनि जे, देश भरि मे मौसमी वर्षा केँ दीर्घकालीन औसत 87 सेमी अछि।
Trending Now
