नई दिल्ली : भाजपा सांसद आ राष्ट्रीय लोकतांत्रिक गठबंधन केँ उम्मीदवार ओम बिरला लोकसभा केँ अध्यक्ष चुनल गेलाह। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी ओम विरला नामक प्रस्तावित केलनि। केंद्रीय मंत्री अमित शाह, राजनाथ सिंह सहित कईटा दिग्गज एहि प्रस्तावकेँ समर्थन केलथि। विपक्षी पक्ष सँ के. सुरेश केँ नाम प्रस्तावित भेल।
एकर बाद प्रोटेम सभापति भर्तृहरि महताब सदन केँ कार्यवाही केँ आगू बढ़ा क’ प्रस्ताव सब केँ सामने पेश केलनि। ध्वनि मत केँ आधार पर ओम बिड़ला केँ लोकसभा अध्यक्ष केँ जिम्मेदारी लेबय लेल आमंत्रित कयलनि। एहि दौरान खास बात ई छल जे पीएम मोदी आओर संसदीय कार्य मंत्री किरेन रिजिजू केँ संग-संग विपक्ष केँ नेता राहुल गांधी सेहो आम बिरला केँ लोकसभा अध्यक्ष केँ आसन पर बैसेबाक लेल आयल छलाह।
कांग्रेस काल्हि राति 25 जून क’ राहुल गाँधी केँ नेता प्रतिपक्ष घोषित केलक अछि।