कटिहार( बिहार) : बिहार केँ कटिहार जिला के मुस्लिम समुदाय वक्फ बोर्ड विधेयक केँ विरोध क’ रहल अछि। मीडिया सूत्र केँ अनुसार मुस्लिम समुदाय दावा क’ रहला अच्छी जे जं ई विधेयक पारित भ’ गेल त॑ हुनक मस्जिद, कब्रिस्तान आओर अन्य संपत्ति हुनका लोकनि सँ छीन लेल जायत । एकर विरोध मे मुस्लिम समुदाय केँ लोग अपन इलाका, मस्जिद आओर मदरसा केँ नजदीक जमा भ’ रहला अछि आओर QR (क्यूआर) कोड स्कैन करि क’ वक्फ बोर्ड विधेयक पर संयुक्त संसदीय समिति मे अपन विरोध दर्ज करा रहला अछि ।
ई विधेयक फिलहाल संसद के संयुक्त समिति केँ लग अछि, जतय एकरा पर चर्चा भ’ रहल अछि आओर जरूरी बदलाव केँ बाद एकरा फेर सँ सरकार केँ लग भेजल जाएत। एकर बाद संसद मे विधेयक पेश कैल जाएत आ बहस केँ बाद इ’ कानून केँ रूप लेत।