जमुई(बिहार ): मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री आ केंद्रीय मंत्री जीतन राम मांझी जज , वकील, डीएम, एसपी आ निरीक्षक पर शराब पीबाक आरोप लगौलनि अछि। ओ कहलनि जे, बड़का-बड़का शराब माफिया नहि पकड़ल जाइत अछि आ जे एक पौआ पीबैत अछि ओकरा जेल पठा देल जाइत अछि। जीतन राम मांझी ‘नागरिक अभिवादन सह शिक्षा सम्मान समारोह’ मे भाग लेबय लेल जमुई पहुंचल छलाह। एहि ठामक पत्रकार सभ सँ गप करैत ओ कहलनि जे, जज, वकील, डीएम, एसपी आ इंस्पेक्टर सब शराब पीबैत छथि, गरीब मजदूर जेल जाइत छथि।’
‘जज आ कलेक्टर सेहो राति मे शराब पीबैत छथि’।
केंद्रीय मंत्री जीतन राम मांझी आगू कहलनि जे, जज आ कलेक्टर सेहो राति मे शराब पीबैत छथि। मुदा कियो गिरफ्तार नहि करैत अछि, मुदा मेहनत करय वाला मजदूर केँ शराब पीबय केँ मामला मे गिरफ्तार भ जाएत अछि। मात्र मजदूर केँ जेल भेजल जा रहल अछि। जकर कारण मजदूर केँ परिवार केँ बोझ उठाबय पड़ैत अछि, मजदूर लोकनि सभ दिन कमाइत छथि आ सभ दिन खाइत छथि । जँ परिवारक कमाएबला सदस्य जेल जाइत अछि तँ परिवार पर एकर काफी असर पड़ैत अछि ।