जनादेश 2024: बिहार मे सबस कम वोटिंग भेल। बिहार मे तपैत गर्मी आ गर्मी क’ लहरिक बीच करीब 48.23 प्रतिशत मतदाता अपन मताधिकार केँ प्रयोग कयलनि । मुदा 2019 क’ मुकाबले करीब पांच प्रतिशत कम मतदान भेल। जखन कि 2019 मे 53.47 प्रतिशत मतदाता अपन वोट देने छलाह, एहि बेर मात्र 48.23 प्रतिशत वोट पड़ल।पश्चिम बंगाल मे देश मे सब सँ बेसी मतदाता अपन घर सँ बाहर निकलल छल।
जमुई सँ खबरि आबि रहल अछि जे NDA और INDI गठबंधन केँ बीच परिणाम मे बहुत केँ अंतर नहि होयत।
तुलनात्मक अध्यन
बिहार ( 4 लोकसाभा ) 2024 2019
औरंगाबाद 50 प्रतिशत 53.63 प्रतिशत
गया 52 प्रतिशत 56.16 प्रतिशत
नवादा 41.50 प्रतिशत 49.33 प्रतिशत
जमुई 50 प्रतिशत 55.21 प्रतिशत
कुल 48.23 प्रतिशत 53.47 प्रतिशत
कम मतदान करय वाला राज्य मे बिहार सब सँ प्रथम : लोकसभा चुनाव 2024 केँ प्रथम चरण
-

