मंगलुरु/ कर्नाटकक मंगलुरुमे पुत्तूर बाईपास रोड पर भूस्खलनक कारण यातायात बाधित भऽ गेल अछि। अधिकारी सभ शुक्रदिन एहि खबरक पुष्टि केलखिन। पुत्तूर बाईपास रोडकेँ बंटवाल-मैसूर रोड आ राष्ट्रीय राजमार्ग २७५क नामसँ सेहो जानल जाइत अछि।
स्थानीय लोकक हवाला सँ अधिकारी लोकनि कहलनि जे शुक्रदिन भोर लगभग ३ बजे पुत्तूर बाईपास सड़क पर भूस्खलन भेल, जाहि सँ वाहन के पुत्तूर शहर होइत मैसूर आ मंगलुरु जाय पड़ल।
पुलिसक अनुसार, भूस्खलनक कारण एखन धरि कोनो व्यक्ति वा वाहन फँसल नहि अछि। भूस्खलन स्थलक दुनू कात बैरिकेड लगा देल गेल अछि, जाहिसँ पुत्तूर शहरसँ यातायातकेँ मोड़ल जा रहल अछि। पुलिस सेहो यातायात के नियंत्रित करबाक प्रयास कए रहल अछि।
राज्य राजमार्ग विभाग भोर ८ बजे कतेको मजदूर आ उत्खननकर्ताकेँ घटनास्थल पर पठा कऽ मलबा हटाबय शुरू कऽ देलक। कर्नाटक राज्य प्राकृतिक आपदा निगरानी केंद्र तटीय आ आंतरिक तटीय क्षेत्रमे बेसी बरखाक भविष्यवाणी कयलक अछि, जाहिसँ प्रभावित भागमे मलबा निकासी कार्यमे बाधा आबि सकैत अछि।