लहरि रूम : धनबाद लोकसभा सीट बीजेपी केँ गढ़ मानल जायत अछि। लगभग 2 दशक सँ भाजपा धनबाद लोकसभा मे अपन बादशाहत कायम रखने अछि। आगामी लोकसभा 2024 हेतु बीजेपी धनबाद सँ वर्तमान बाघमारा विधायक ढुल्लू महतो केँ प्रत्याशी बनौलनि अछि। जाहि केँ विरोध मे धनबाद लोकसभा केँ चुनावी दंगल मे जमशेदपुर पूर्वी सँ निर्दलीय विधायक सरयू राय कूदि परला अछि। सरयू राय ओ छथि जिनका कारने पूर्व मुख्यमंत्री रघुवर दास केँ हारि केँ प्रत्यक्ष दर्शन भेल छलनि। राजनीतिक विशेषज्ञ लोकनिक कहब छनि ज सरयू राय धनबाद सीट सँ अपना आप केँ प्रत्याशी घोषित करैत छथि आओर कोनो दलक हुनका समर्थन प्राप्त होइत छनि तँ बीजेपी केँ धनबाद मे चुनावी समीकरण गड़बड़ा सकैत अछि।
झारखण्ड मुक्ति मोर्चा केँ प्रवक्ता सुप्रियो भट्टाचार्या प्रेस वार्ता केँ माध्यम सँ कहलनि जें – चुकीं I-N-D-I गठबंधन केँ समझौता केँ आधार पर धनबाद लोकसभा कांग्रेस लग अछि, जं कांग्रेस सरयू राय केँ समर्थन करैत अछि तँ निश्चित तौर पर जेएमएम सेहो सरयू राय केँ स्वागत आओर सहयोग करत।
मीडिया सूत्र केँ अनुसार – सरयू राय द्वारा कांग्रेस सँ समर्थन केँ माँग राखल गेल छल मुदा, कांग्रेस पार्टी हुनक मांग पर बिना कोनो विचार केने समर्थन देबा सँ इनकार क’ देलक।
Trending Now
