नई दिल्ली/ संयुक्त किसान मोर्चा (एसकेएम)क नेता बुधदिन कतेको सांसदसँ भेंट कयलनि। किसान नेता लोकनि किसानक हितक कतेको मुद्दा जेना ‘‘सी२ प्लस ५० प्रतिशत फार्मूला’’ पर न्यूनतम समर्थन मूल्य आ फसलक खरीदक सङ्ग संसदमे कृषि ऋण माफी आदि कें उठयबाक आग्रह कयलनि।
एसकेएम, जे तीनटा केंद्रीय कृषि कानूनक विरुद्ध दिल्लीक सीमापर २०२०-२१क किसान आन्दोलनक नेतृत्व कयलक, पछिला सप्ताह घोषणा कयलक जे ओ अपन आन्दोलन फेरसँ शुरू करत, जे दिसंबर २०२१मे स्थगित कऽ देल गेल छल।
एसकेएम कहलक जे सांसदसभकेँ माँगक ज्ञापन सौंपब आबयवला दिनमे होबयवला विरोध प्रदर्शनक श्रृंखलामे पहिल डेग छल। एसकेएम कहलक जे ओकर विभिन्न प्रतिनिधिमंडल केंद्रीय मंत्री मनसुख मंडाविया, भाजपा नेता त्रिवेन्द्र सिंह रावत (हरिद्वार), भरत सिंह कुशवाहा (ग्वालियर) आ सतीश गौतम (अलीगढ़) सहित लगभग २० सांसदसँ भेंट कयलक।
ओ कांग्रेस सांसद सतपाल ब्रह्मचारी (सोनीपत), राकेश राठौर (सीतापुर) आ राज्यसभा सदस्य अशोक सिंह, समाजवादी पार्टीक सांसद हरेन्द्र मलिक (मुजफ्फरनगर) आ अफजल अंसारी (गाजीपुर), होशियारपुरसँ आम आदमी पार्टीक सांसद राज कुमार चब्बेवाल, डीएमके सांसद कनिमोझी आ सांगलीसँ निर्दलीय सांसद विशाल पाटिलसँ सेहो भेंट कयलनि।
मंगलदिन एसकेएमक नेता इलाहाबादक सांसद उज्ज्वल रमन सिंह (कांग्रेस) आ कौशाम्बी सांसद पुष्पेन्द्र सरोज (सपा) सँ भेंट कयलनि। किसानक माँगमे सी२प्लस ५० प्रतिशत फार्मूलाक आधार पर कानूनी रूपसँ गारंटीकृत एमएसपी सहित सभ फसलक लेल सुनिश्चित खरीद शामिल अछि। एहिमे एमएसपी के गणना करय लेल उत्पादन लागत पर ५० प्रतिशत के लाभ मार्जिन जोड़नाइ शामिल छैक।
संगठन कहलक जे ९ अगस्तकेँ एसकेएम ष्भारत छोड़ो दिवसष्क रूपमे अपन माँगक समर्थनमे राष्ट्रव्यापी विरोध प्रदर्शनक आयोजन करत।