पूर्णिया : अपन जन अधिकार पार्टी केँ कांग्रेस मे विलय क’ पूर्णिया सँ लोकसभा 2024 मे अपन दावेदारी प्रस्तुत करनिहार राजेश रंजन ‘पप्पू यादव’ केँ कांग्रेस पार्टी टिकट नहि देलकनि। स्पष्ट रूप सँ कांग्रेस पार्टी कहि चुकलनि जें पूर्णिया लोकसभा सँ राजद केँ प्रत्याशी चुनाव लड़त। आब महत्वपूर्ण प्रश्न उठि रहल अछि ‘ की पप्पू यादव निर्दलीय चुनाव लड़ता ?’ कारण मीडिया सूत्रक खबरि आबि रहल अछि जें पूर्णिया लोकसभा मे पप्पू यादव केँ समर्थक लोकनिक द्वारा चुनावी परचा बाटल जा रहल अछि आओर मतदाता लोकनि केँ आस्वस्त कयल जा रहल अछि जे 2 अप्रैल क’ पूर्वाह्न 11:45 बजे पप्पू यादव समाहरणालय पहुँचता आओर नामांकन करता। चुनावी परचा जें कार्यकर्त्ता लोकनि द्वारा बाटल जा रहल अछि ओहि मे कांग्रेस पार्टी केँ नाम आओर चुनाव चिह्न केँ अंकित नहि कैल गेल अछि।
कांग्रेस पार्टी केँ दुनू स्थिति मे अछि फायदा !
टिकट बटवारा मे गठबंधन केँ तहत एहि सीट पर राजद केँ उम्मीदवारी तय भ’ चुकल अछि। जं राजद प्रत्याशी चुनाव जितैत अछि त’ गठबंधन केँ नियमानुसार कांग्रेस केँ हाथ केँ मजबूती प्रदान हेतैनि। दोसर तरफ पप्पू यादव सेहो कांग्रेस केँ संग रहता।
