spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिकी बिहार मे खेला हेतइ ?

की बिहार मे खेला हेतइ ?

-

लहरि रूम (रांची ) :ज्यों ज्यों शरद ऋतु अपन मिजाज सँ सबके जाड़ केँ एहसास करबा रहल अछि त्यों त्यों बिहार केँ राजनीति कखनो कखनो गरमा जाइत अछि।

बिहार मे राजनितिक चर्चा तखन गरमा जेल जखन किछु दिन पहिने केंद्रीय गृहमंत्री अमित शाह बिहार केँ अगिला विधानसभा चुनाव नीतीश कुमार केँ नेतृत्व केँ नहि लड़बाक बात कहि कहलनि जें अहि बातक निर्णय पार्लियामेंट्री बोर्ड लेत। अमीत शाह केँ एतबा कहला केँ बाद अचानक सँ नीतीश कुमार अपन किछु कार्यक्रम केँ रद्द क’ देलनि। किछु अहि तरहक हलचल बढ़बाक बाद जेडीयू आओर बीजेपी केँ नेता जल्दबाजी मे बैसार केलनि आओर निर्णय आयल जे अगिला बिहार विधानसभा चुनाव नीतीश कुमार जी नेतृत्व मे लड़ल जायत।

अपन मैथिलक स्कूल

अहि केँ उपरांत भाजपा नेता आओर डिप्टी सीएम सम्राट चौधरी कहलनि जे अगिला बिहार बिधानसभा चुनाव नीतीश कुमार जी केँ नेतृत्व मे संपन्न होयत। एहि घोषणा केँ बाद नीतीश कुमार कार्यक्रम मे भाग लेनाइ प्रारम्भ कयलनि। एहि बीच मे केंद्रीय मंत्री एवं भाजपा नेता गिरिराज सिंह नीतीश कुमार भारत रत्न मांग कयलनि अछि।

तमाम राजनीतिक घटना क्रम पर पटाक्षेप करैत केंद्रीय मंत्री आओर एनडीए केँ सहयोगी जीतन राम मांझी पैघ वक्तव्य देला, ओ कहलनि जे राजद केँ 12 नेता भाजपा केँ सम्पर्क मे छथि। मांझी राजद केँ नेता तेजस्वी यादव केँ ओहि वक्तव्य केँ उत्तर दैत कहला जाहि मे तेजस्वी कहने छला जे हुनका सँ जदयू केँ चारि नेता संपर्क मे छथिन।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts