spot_img
Saturday, March 21, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिकी लालू जी कें सजा बढ़ि जेतनि ?

की लालू जी कें सजा बढ़ि जेतनि ?

-

लहरि रूम (रांची) : मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे दिनाँक 9 जुलाई 2025 क’ झारखण्ड हाईकोर्ट द्वारा बिहार कें पूर्व मुख्यमंत्री सहित तीन आरोपी कें सजा बढ़ेबाक मांग केँ CBI द्वारा दायर कयल गेल क्रिमनल अपील कें स्वीकार क’ लेल गेल अछि। CBI द्वारा चारा घोटाला मे झारखण्ड कें जिला देवघर सँ भेल 89 लाख रुपया केर फर्जी निकासी कें मामला मे दोषी छः गोटे कें सजा बढ़ेबाक लेल याचिका दायर कयल गेल छल। जाहि मे तीन गोटे कें मृत्यु भ’ गेल छल। मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे झारखण्ड हाई कोर्ट कें न्यायाधीश रंगोन मुखोपाध्याय आओर न्यायाधीश अम्बुज नाथ केर पीठ द्वारा CBI प्रस्तुत दलील सुनला कें बाद याचिका स्वीकार क’ लेल गेल अछि।

तीन दोषी के सजा बढ़ि सकैत अछि ….
सीबीआई याचिका मे छह टा दोषी छला – लालू यादव, बेक जूलियस, सुबीर भट्टाचार्य, आरके राणा, फूलचंद सिंह आ महेश प्रसाद क’ नाम सम्मलित छल। एहि मे सँ आरके राणा, फूलचंद सिंह आ महेश प्रसाद कें मृत्यु भ’ गेल छनि , ताहि लेल कोर्ट शेष तीन गोटे कें नाम पर हाईकोर्ट सुनवाई केलक।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts