spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिकुवैत अग्निकाण्ड : भारी आगि मे एखन धरि 49 गोटेक मौत, बहुतो...

कुवैत अग्निकाण्ड : भारी आगि मे एखन धरि 49 गोटेक मौत, बहुतो भारतीयक भेला हताहत , पीएम मोदी आपात बैठक बजौलनि

-

लहरि रूम : कुवैत मे एकटा भवन मे भारी आगि लागल। स्थानीय समाचार एजेंसी के अनुसार एहि दुर्घटना मे 49 लोक केँ मृत्यु भ’ गेल अछि। खबरि आबि रहल अछि जे मृतक मे बहुत भारतीय सेहो सम्मलित छथि। भारतीय दूतावास केँ अनुसार एहि दुर्घटना मे 30 सँ बेसि भारतीय घायल भ’ गेल छथि। अधिकारी सब कहलनि जे, बुधदिन भोर मे कुवैत केँ दक्षिणी अहमदी प्रांत केँ मंगफ क्षेत्र केँ छह मंजिला भवन केँ किचन मे आगि लागल। जाहि भवन मे ई भारी आगि लागल छल ओहि भवन मे 190 सँ बेसी लोक मौजूद छलाह आ सब एकहि संस्थान मे काज करैत छथि। कहल गेल अछि जे एहि मे सँ बहुतो मजदूर भारतक निवासी छलाह |

‘मृतक मे अधिकांश भारतीय नागरिक ’

कुवैत केँ फोरेंसिक विभाग केँ महानिदेशक मेजर जनरल ईद अल-ओवैहान केँ कहनाम अछि जे मृतक क’ संख्या लगातार बढ़ी रहल अछि । ओ कहलनि जे, मृतक मे सँ अधिकांश केरल, तमिलनाडु आ उत्तर भारतीय राज्य केँ नागरिक छथि । मृतक केँ आयु 20 स 50 साल क’ बीच बताओल जा रहल अछि।
भारतीय दूतावास हेल्पलाइन नंबर जारी केलक
कुवैत मे भारतीय दूतावास एहि संबंध मे हेल्पलाइन नंबर जारी केलक अछि। दूतावासकेँ कहनाम छनि जे एहि आगि मे भारतीय केँ मृत्यु केँ संबंध मे जानकारी लेबय लेल हेल्पलाइन नंबर +965-65505246 पर संपर्क कयल जा सकैत अछि। दूतावास द्वारा हर संभव मदद केँ घोषणा कयल गेल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts