spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिकेजरीवाल केँ राजनीतिक कैदी कहनाई स्वतंत्रता सेनानी आ आपातकालीन कैदी केँ अपमान...

केजरीवाल केँ राजनीतिक कैदी कहनाई स्वतंत्रता सेनानी आ आपातकालीन कैदी केँ अपमान अछि : दिल्ली भाजपा

-

नई दिल्ली : दिल्ली भाजपा प्रवक्ता प्रवीण शंकर कपूर आम आदमी पार्टी केँ सांसद संदीप पाठक केँ द्वारा मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवाल केँ राजनीतिक कैदी बताबय केँ निंदा करैत एकरा आपातकाल केँ दौरान हिरासत मे लेल गेल लोक सबके आओर स्वतंत्रता संग्राम मे सम्मलित स्वतंत्रता सेनानी आ अन्य राजनीतिक कैदी के अपमान बतौलनि अछि।

दिल्ली भाजपा प्रवक्ता कहलनि जे, आप नेता केँ अपन दैनिक राजनीतिक रंगमंच बंद करबाक चाही आ डायबिटीज बीमारी केँ जमानतक लेल मेडिकल ग्राउंड बनेबाक प्रयास नहि करबाक चाही। एहि मे कोनो संदेह नहि जे मधुमेह एकटा गंभीर बीमारी अछि, मुदा एकरा जमानत क’ अनिवार्य शर्त नहि बनाओल जा सकैत अछि, किया कि इ चिकित्सकीय रूप सँ प्रबंधनीय अछि आ सैकड़ों जेल कैदी डायबिटीज सँ ग्रसित छथि।

कपूर अपन वक्तव्य मे कहलनि जे अरविंद केजरीवालकेँ राजनीतिक कैदी कहनाई स्वतंत्रता संग्राम केँ दौरान अंग्रेज द्वारा जेल मे बंद लाखों स्वतंत्रता सेनानी आओर 1975 मे कांग्रेस सरकार द्वारा घोषित आपातकालक क्रम जेल मे बंद एक लाख सँ बेसी लोग केँ बलिदान केँ प्रत्यक्ष रूप सँ अपमान अछि । अरविंद केजरीवाल केँ गिरफ्तारी केँ तुलना स्वतंत्रता सेनानी आओर अन्य राजनीतिक कैदी केँ संग करनाई हुनक बलिदान आओर सेवा केँ अपमान अछि ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts