रांची : प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी रांची आयल छला , मुदा खराब मौसमक कारण जमशेदपुर उड़ान भरबा मे दिक्कत भेलनि , जेकर कारण सँ रांची हवाई अड्डा सँ प्रधानमंत्री 6 वंदे भारत एक्सप्रेस केँ ऑनलाइन उद्घाटन केलथि आ करोड़ों टका क’ योजना केँ उपहार मे देलनि। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी रांची सँ करीब 140 किलोमीटर केँ दूरी तय क’ सड़कमार्ग सँ जमशेदपुर पहुंचलाह। ओ कहलनि जे, खराब मौसम केँ कारण हेलीकॉप्टर उड़ि नहि सकल। एहि कारण सँ रांची सँ सड़कमार्ग सँ जमशेदपुर पहुंचला । रस्ता मे बरखाक रूप मे आशीर्वाद आबि गेल। लोक सब रस्ता मे गर्मजोशी सँ स्वागत कयलनि।
Trending Now
