बिहार मे आई (18 मार्च – सोम दिन) प्रातः काल केँ एकटा पैघ सड़क हादसा केँ समाचार प्राप्त भ’ रहल अछि। खगड़िया हाईवे पर एकटा एसयूवी ट्रैक्टर केँ पाछा सँ जबरदस्त टक्कर मारलक अछि। एहि भीषण दुर्घटना मे पिता आओर दू पुत्र संग नौ गोटे केँ मृत्यु भेल अछि संगहि तीन गोटे घायल छथि। घायल सबके खगड़िया सदर अस्पताल सँ बेहतर इलाज हेतु भागलपुर जिला केँ मायागंज अस्पताल पठाओल गेल छनि। दुर्घटना केँ सूचना प्राप्त भेला उपरांत मौका पर पहुँचि जाँच मे जुटि गेल अछि।
