spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिखालिस्तानी आओर बांग्लादेशी आतंकी हमला केर संभावना सँ दिल्ली अलर्ट !

खालिस्तानी आओर बांग्लादेशी आतंकी हमला केर संभावना सँ दिल्ली अलर्ट !

-

लहरि रूम (दिल्ली) : प्रत्यके वर्ष गणतंत्र दिवस पर देश भरि मे सुरक्षा केर पुख्ता इंतजाम कयल जाइत अछि। एहि साल दिल्ली मे सुरक्षा आओर मजबूत भ’ गेल अछि। कारण किछु दिन पहिने लाल किला के नजदीक एकटा कारमे बम विस्फोट भेल छल , जाहि मे एक दर्जन सँ बेसी लोगऽ के मृत्यु भ’ गेल छल ।

गणतंत्र दिवस नजदीक आबि रहल अछि, खुफिया एजेंसी एकटा पैघ चेतावनी जारी केलक अछि। हुनकऽ कहब छनि जे खालिस्तानी आतंकी संगठन आ बांग्लादेश सँ जुड़ल आतंकी समूह दिल्ली सहित देश भर केर कईटा शहर कें निशाना बनौने छथि । खालिस्तानी आ विदेश मे रहय वाला कट्टरपंथी आका के लेल काज करय वाला पंजाब के आतंकी सभ के सक्रियता बढ़य के खबर अछि। ई खालिस्तानी देश केर आंतरिक सुरक्षा मे सेंध लगबाक प्रयास क’ सकैत छथि।

खुफिया सूत्र के हवाला दैत समाचार एजेंसी एएनआई के खबर अछि जे खुफिया एजेंसी गणतंत्र दिवस सँ पहिने ई अलर्ट जारी केलक अछि। ई चेतावनी खालिस्तानी आतंकी संगठन आ बांग्लादेश स्थित आतंकी समूह के संभावित गतिविधि सँ संबंधित अछि । संभावना अछि जे ई समूह दिल्ली आ देश भर के दोसर शहरि मे हमला करबाक योजना बनबैत हुए ।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts