spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिखूंटी (झारखण्ड)लोकसभा क्षेत्र सँ नामांकन दाखिल करताह 23 अप्रैल क' अर्जुन मुंडा

खूंटी (झारखण्ड)लोकसभा क्षेत्र सँ नामांकन दाखिल करताह 23 अप्रैल क’ अर्जुन मुंडा

-

खूंटी (झारखण्ड ) : भारतीय जनता पार्टी केँ उम्मीदवार अर्जुन मुंडा 23 अप्रैल क’ खुंटी लोकसभा सीट सँ नामांकन दाखिल करताह। केंद्रीय आदिवासी मामिला मंत्री सह कृषि आ किसान कल्याण मंत्री अर्जुन मुंडा नामांकन दाखिल केलाक बाद रोड शो करताह. एकर बाद ओ जनसभा केँ सेहो संबोधित करताह।
जहिया अर्जुन मुंडा अपन नामांकन दाखिल करताह ओहि दिन ओ सेहो शक्ति प्रदर्शन करताह। हुनक नामांकन मे भाग लेबै लेल खूंटी लोकसभा केँ तहत सब विधानसभा क्षेत्र सँ भारतीय जनता पार्टी केँ कार्यकर्ता पहुँचता ।
अर्जुन मुंडा वर्तमान भाजपा केँ केंद्र सरकार मे कैबिनेट केँ जनजातीय मामला केँ मंत्री आओर दूसरे मोदी मंत्रालय मे कृषि एवं किसान कल्याण मंत्री छथि। वर्ष 2019 केँ लोकसभा मे खूटी लोकसभा चुनाव मे संघर्षशील प्रतिसपर्धा मे विजयी भ’ लोकसभा पहुँचल छला। आगमी चुनाव हेतु अर्जुन मुंडा केंद्र सरकार केँ आदिवासी समाज केँ समर्पण केँ बात जनसम्पर्क केँ माध्यम सँ लोक सभहक बीच पहुँचा रहला अछि। लोक सभहक केँ मध्य अपन वक्तव्य मे धरती आबा स्वतंत्रता सेनानी भगवान बिरसा मुंडा केँ जन्मदिवस केँ दिन केँ सम्पूर्ण भारत वर्ष ‘जनजातीय गौरव दिवस’ मनबैक योजना वर्तमान भाजपा सरकार केँ देन अछि, जे की आदिवासी समाज क’ लेल गौरव केँ बात अछि। पिछला 10 साल मे केंद्र सरकार हर खंड केँ देखभाल करय केँ काज केलक अछि. मोदी सरकार आदिवासी समुदाय के सम्मान देलक अछि जे सालों स उपेक्षित छल। आइ एकटा आदिवासी महिला देशक सबस पैघ संवैधानिक पद पर बैसल छथि, जे हमरा सब लेल गौरव क विषय अछि। ओ कहलनि जे, राष्ट्रपति चुनाव मे सेहो किछु लोक हुनकर समर्थन नहि केलक। जनता एहन लोक के जवाब जरूर देत। 500 वर्ष केँ लम्बा प्रतीक्षा केँ बाद अयोध्या मे भव्य राम मंदिर केँ निर्माण सेहो एहि सरकार केँ उपलब्धि अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts