spot_img
Friday, August 22, 2025
spot_img
Homeटटका खबरिखूंटी लोकसभा चुनाव 2024 खतरनाक मोड़ पर ठाढ़ : दिलचप्स मुकाबला

खूंटी लोकसभा चुनाव 2024 खतरनाक मोड़ पर ठाढ़ : दिलचप्स मुकाबला

-

दिल्ली/ झारखण्ड : लोकसभा 2024 हेतु झारखण्ड प्रदेश कांग्रेस कमीटी द्वारा अपन तीन प्रत्याशी केँ घोषणा कयल गेल। पुनः कालीचरण मुंडा लोकसभा खूंटी लोकसभा सीट सँ कांग्रेस केँ प्रत्याशी बनला अछि। संगहि सुखदेव भगत लोहरदग्गा आओर जेपी पटेल हजारीबाग सँ प्रत्याशी बनला अछि।
प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी जी केँ लहरि लोकसभा 2024 कतेक सटीक आओर सिद्ध ओकर ज्ञान भारतीय जनता केँ 4 जून 2024 केँ संध्या काल तक परिणामक घोषणा केँ बाद होयत। आबय वला समय मे झारखण्ड राज्यक खूँटी लोकसभा केँ चुनाव बड़ा दिलचप्स मोड़ पर आबि क’ ठाढ़ भ’ गेल अछि। जतय सम्पूर्ण I. N. D. I गठबंधन कतौ ढहैत आ कतौ बनैत देखबा मे अबैत अछि। मुदा झारखण्ड के खूंटी लोकसभा मे एहि गठबंधन केँ प्रतिबद्धता देखबा मे आबि रहल अछि। झारखण्ड राज्य केँ पूर्व मुखिया हेमंत सोरेन केँ ED द्वारा हिरासत मे लेला केँ बाद झारखण्ड मूल वासी आओर आदिवासी कतौ ने कतौ भारतीय जनता पार्टी केँ आदिवासी विरोधी बुझी रहल छथि , जिनक संख्या प्रतिशत मे मानी त’ तक़रीबन 40 सँ उपर छनि। वर्तमान समय मे लहरिक जन सम्पर्क अभियान सँ परिणाम आयल जें खूंटी लोकसभाक मुकाबला बड़ा दिलचप्स होमय जा रहल। एक तरफ सम्पूर्ण I. N. D. I गठबंधन केँ कांग्रेस प्रत्याशी कालीचरण मुंडा आओर दोसर तरफ वर्तमान सांसद अर्जुन मुंडा।
पिछला बेरक लोकसभा चुनाव 2019 केँ परिणामक अगर बात करी त’ महज 1 % मतक अंतर सँ अर्जुन मुंडा चुनाव मे विजय भेल छला। बीजेपी केँ 382638 आओर कांग्रेस केँ 381193 मत भेटल छल। नोटा मे 21245 भोट परला बाद बहुजन समाज पार्टी केँ 7663 भेटल छलनि।
उपरोक्त विवेचना केँ अभिप्राय ई अछि, जं I. N. D. I गठबंधन अपन सम्पूर्ण शक्ति खूंटी लोकसभा मे लगा दैत छथि आओर कांग्रेस प्रत्याशी कालीचरण मुंडा केँ प्रति कोनो तरहक छेड़छाड़ नहि होइत छनि त’ भाजपा केँ प्रत्याशी अर्जुन मुंडा केँ दिलचप्स मुकाबला केँ सामना करै परतनि। भाजपा केँ जीत दू बात पर निर्भर करैत अछि जें पहिल मोदी जिक गारंटी पर जनता केँ कतेक भरोस छनि आओर अर्जुन मुंडा विगत 5 वर्ष मे खूँटी जनमानस केँ बीच कतेक रचि- बसि सकला अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts