लहरि रूम (पटना ) : राष्ट्रीय जांच एजेंसी (NIA) क’ भेटल अछि पैघ सफलता भेटल अछि। मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे , NIA टीम द्वारा अमृतसर मंदिर पर ग्रेनेड हमला के प्रमुख आतंकी शरणजीत कुमार उर्फ सनी के गिरफ्तार क’ लेलक अछि। पंजाब के गुरदासपुर जिला के बटाला के कदियन गाम के निवासी शरणजीत के शुक्रदिन बिहार के गया सँ गिरफ्तार कयल गेल। इ गिरफ्तारी 15 मार्च 2025 कें आतंकी हमला के सिलसिला करल गेल अछि। जाहि मे आतंकी के साजिश रचबाक आओर निष्पादित करबा मे सक्रियता देखल गेल ।

NIA क’ जांच मे विदेशी फंडिंग के सेहो खुलासा भेल
NIA केर अनुसंधान मे पता चलल जे अहि हमला मे विदेशी आका लोकनिक के निर्देश पर बाइक सवार दूटा आतंकी गुरसिदक सिंह आओर विशाल गिल द्वारा घटना के अंजाम देल गेल । NIA द्वारा खुलासा कयल गेल जे इ घटना कें अंजाम देबाक हेतु यूरोप, अमेरिका आओर कनाडा बैसल मास्टर माइंड द्वारा हथियार, पैसा, रसद सहायता आओर लक्ष्य कें विवरण उपलब्ध कराओल गेल छल ।


