spot_img
Sunday, February 1, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिगया सँ बीजेपी नेता प्रेम कुमार हेता 18म बिहार विधानसभा के स्पीकर...

गया सँ बीजेपी नेता प्रेम कुमार हेता 18म बिहार विधानसभा के स्पीकर !

-

लहरि रूम : गया शहरि के भाजपा विधायक आ नीतीश कुमार सरकार के पूर्व मंत्री प्रेम कुमार 18म बिहार विधान सभा के अध्यक्ष के लेल अपन नामांकन दाखिल कयलनि अछि। उपमुख्यमंत्री सम्राट चौधरी आ विजय कुमार सिन्हा के उपस्थिति मे एनडीए के तरफ सँ अपन नामांकन दाखिल कयलनि अछि। हुनक विधानसभा स्पीकर के रूप मे चयनित भेनाइ लगभग तय मानल जा रहल अछि कारण विपक्ष के लग मात्र 35 टा विधायक छनि आ समाचार प्राप्त भेला तक दोसर कोनो नेता के स्पीकर पद हेतु नामांकन दाखिल नहि कयल गेल अछि।

विधानसभा स्पीकर पद हेतु नामांकन दाखिल करबाक अंतिम तिथि आइ 1 दिसंबर 2025 सोमदिन दुपहरिया 3 बजे तक छल। उम्मीदवार काल्हि मंगलदिन तक अपन नामांकन वापस ल’ सकैत छथि। स्पीकर के औपचारिक चुनाव सेहो काल्हिये होयत, जकर अध्यक्षता प्रोटेम सभापति नरेन्द्र नारायण यादव करताह। NDA खेमा मे पहिने सँ सब विषय पर आम सहमति बनि गेल अछि सभापति के पद भाजपा के जाएत आ उपसभापति के पद जदयू के जाएत।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts