spot_img
Monday, March 23, 2026
spot_img
Homeटटका खबरिगुजरात सरकार के मंत्रिमंडल मे 16हो मंत्री दयलनि इस्तीफा !

गुजरात सरकार के मंत्रिमंडल मे 16हो मंत्री दयलनि इस्तीफा !

-

लहरि रूम (रांची) : मीडिया सूत्र सँ खबरि आबि रहल अछि जे बिहार चुनाव के बीच भाजपा मुख्यमंत्री के छोड़ि क’ सब मंत्री के इस्तीफा ल’ क’ अपन अदम्य गढ़ गुजरात मे सब के आश्चर्यचकित क’ देलक अछि। आइ वृहस्पति दिन क’ मुख्यमंत्री भूपेंद्र पटेल क’ मंत्रिमंडलक विस्तार आ मंत्रिमंडल मे फेरबदल क’ तैयारी सँ पूर्व सबटा 16 मंत्री इस्तीफा ल’ लेलनि । ओना गुजरात मे ई पहिल बेर नहिं भेल अछि। भाजपा एहि फार्मूला के प्रयोग कई बेर एंटी इंकम्बेंसी के मुकाबला करबाक लेल केलक अछि। 2021 मे भाजपा मुख्यमंत्री सहित पूरा मंत्रिमंडल कें हटा देने छल । तखन एहि कदम केँ राजनीति मे “नो रिपीट थ्योरी” कहल गेल । वास्तविकता मे ई प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केर गुजरातक राजनीति मे बेजोड़ अस्त्र छनि। जे पूर्व मे सटीक निशाना लगेने रहनि । अगिला विधानसभा चुनाव मे गुजरात मे इ थ्योरी कतेक काज करत तेकर अनुमान लगेनाइ असम्भव अछि। हाँ, अतेक जरूर अछिवर्तमान परिवेश मे विपक्ष के बढ़िया मुद्दा भेट गेल अछि।

Related articles

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here

Stay Connected

0FansLike
0FollowersFollow
0FollowersFollow
0SubscribersSubscribe

Latest posts